काठमाण्डू, १ अगहन : अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग बाराक फेटा गाउँपालिकामे प्रधानमन्त्री रोजगार कार्यक्रमक संयोजक पदपर कार्यरत कर्मचारी ओमप्रकाश गिरीक शैक्षिक योग्यताक प्रमाणपत्र नक्कली रहल कहैत विशेष अदालत काठमाण्डूमे आरोपपत्र दायर कएने अइछ।
कर्मचारी गिरीक प्रमाणपत्र तह तथा स्नातक तहक शैक्षिक योग्यताक प्रमाणपत्र नक्कली रहल सम्बन्धमे भेटल उजुरीपर अनुसन्धान भेल छल। अनुसन्धानक क्रममे हुनकर शैक्षिक योग्यता नक्कली रहलासँ विशेष अदालतमे मुद्दा दायर कएल गेल, आयोगक प्रवक्ता सुरेश न्यौपाने जानकारी देलैन। कर्मचारी गिरी फेटा गाउँपालिकामे २०७८ जेठ १ गतेसँ नेपाल सरकारक राजपत्राङ्कित तृतीय श्रेणीक शाखा अधिकृतसरह रोजगार संयोजक पदपर नियुक्त छल।
प्रवक्ता न्यौपानेअनुसार कर्मचारी गिरी नियुक्ति लैत समय पेश कएने तीन वर्षीय बीएड तहके लब्धाङ्कपत्र त्रिभुवन विश्वविद्यालयसँ प्रमाणीकरण भ क आएल उक्त प्रमाणपत्र हुनकर नै बल्कि दोसर व्यक्तिक रहल खुलल। ताहि लेल भ्रष्टाचार निवारण ऐन, २०५९ क धारा १६ क उपधारा (१) अनुसार कैद तथा जरिवानाक माँग करैत आरोपपत्र दायर कएल गेल अइछ।(रासस)















