काठमाण्डू, १ अगहन : नेपाल विद्युत् प्राधिकरण अइ सालक हिउँदमे भारतसँ ३५० मेगावाट बिजुली आयात करबाक अनुमति पाएल अइछ।


भारतक विद्युत् मन्त्रालय अन्तर्गतक केन्द्रीय विद्युत् प्राधिकरण प्रतिस्पर्धी दरपर प्रतिदिन १७ घण्टाधैर बिजली आयात करबाक अनुमति नेपाल विद्युत् प्राधिकरणकेँ देने अइछ। दुनू संस्थाक बीच भेल सहमतिअनुसार नेपाल विद्युत् प्राधिकरण आइसँ अगिला साओन १५ गतेधैर बिजुली आयात क सकत। भोरे ५ बजेसँ ८ बजेधैर तथा साँझ ५ बजेसँ ९ बजे बाहेक अन्य समयमे बिजुली आयात कएल जा सकत।


प्राप्त अनुमतिअनुसार कटैया–कुशाहा, रामनगर–सुरजपुरा तथा रक्सौल–परवानीपुर १३२ केभी प्रसारण लाइनमार्फत ३०० मेगावाट तथा न्यू नौतनिया–मैनहिया १३२ केभी प्रसारण लाइनमार्फत ५० मेगावाट बिजली आयात कएल जाएत।


नेपाल विद्युत् प्राधिकरणक कार्यकारी निर्देशक दीर्घायु कुमार श्रेष्ठ कहलैन जे भारतसँ ३५० मेगावाट बिजुली आयातक अनुमति भेटलाक कारण अगिला हिउँदमे बिजुलीक माँग तथा आपूर्तिक व्यवस्थापन करब आओरो सहज हएत ।


भोटेकोशी बाइढ़क कारण जलविद्युत् आयोजना तथा प्रसारण लाइनमे क्षति भेलाक बाद ४३१ मेगावाट जडित क्षमतावला आयोजना राष्ट्रिय बिजली प्रणालीसँ अलग भ गेल अइछ। अइ अवस्थाकेँ ध्यानमे राइख अगिला हिउँदके बिजुलीक माँग तथा आपूर्तिक व्यवस्थापन लेल आवश्यक तैयारी कएल गेल कार्यकारी निर्देशक श्रेष्ठ बतौलैन।


५६ मेगावाट बिजली निर्यातक अनुमति


नेपाल विद्युत् प्राधिकरण तीन टा जलविद्युत् आयोजनासँ उत्पादित कूल ५६ मेगावाट बिजुली भारतीय ऊर्जा विनिमय बजार (आईएक्स)मे बिक्री करबाक अनुमति सेहो मिलल अइछ। प्राधिकरण आइसँ अगिला साओन १५ गतेधैर उक्त बिजली निर्यात करबाक अनुमति पाएल अइछ।(रासस)