काठमाण्डू, १ अगहन : नेकपा (एमाले) क अध्यक्ष केपी शर्मा ओली पार्टीकेँ निर्णायक राष्ट्रिय शक्तिक रूपमे विकसित कएल जेबाक बतौलैन अइछ।
अखिल नेपाल किसान महासंघक केन्द्रीय समितिक छठम विस्तारित बैसारकेँ सम्बोधन करैत अध्यक्ष ओली कहलैन जे एमालेकेँ निर्णायक राष्ट्रिय शक्तिक रूपमे विकसित क ‘समृद्ध नेपाल, सुखी नेपाली’ क राष्ट्रिय आकांक्षा पूरा करबाक दिशामे पार्टी आगाँ बढ़त। ओ कहलैन जे एमाले मजबूत, देशभक्त, लोकतान्त्रिक तथा स्पष्ट दृष्टिकोण आ सुदृढ़ सङ्गठनबला पार्टी छी।
पार्टीक केन्द्रीय समितिक तेसर बैसार अगिला ‘दू कार्यभार आ १५ काज’ निर्धारित कएने अइछ, से जानकारी दैत अध्यक्ष ओली आन्दोलन तथा स्थानीय तहक निर्वाचनक ई कार्यभार पूरा करबाक तैयारीमे जुटबाक निर्देशन देलैन। अगिला निर्वाचनमे हमसभ जीतब, अइ आत्मविश्वासकसँ आगाँ बढ़बाक निर्देशन ओ नेता–कार्यकर्ताकेँ देलैन।
नेपालक किसान आन्दोलन राजनीतिक परिवर्तन सफल बनेबाक आधार रहल अइछ आ कतेको किसान नेतासभ अमूल्य योगदानक सङ शहादत देने छैथ, अध्यक्ष ओली स्मरण केलैन। किसान महासंघकेँ विस्तार करबाक व्यापक आधार अइछ, ताहि लेल सक्रिय होएब आवश्यक छै, ओ कहलैन। अपन अतीतक गौरवकेँ स्मरण करैत ओकरा कायम रखबाक लेल विभिन्न क्षेत्रक किसानकेँ महासंघमे आबद्ध करबाक आग्रह सेहो ओ केलैन।
अखिल नेपाल किसान महासंघक अध्यक्ष प्रेम दङ्गाल जानकारी देलैन जे महासंघ ७३ जिला तथा ५३९ पालिकाक १ हजार ३६५ वाडमे सक्रिय अइछ।(रासस)















