काठमाण्डू, १ अगहन : चालु आर्थिक वर्ष २०८३/८४ के पहिल चौमासिकमे सरकारके आम्दानी वार्षिक लक्ष्यके २३ दशमलव ३९ आ खर्च २३ दशमलव ३७ प्रतिशत भेल अइछ ।
महालेखा नियन्त्रक कार्यालयके तथ्याङ्कअनुसार कातिक महिनाधैर सरकार कूल चाइर खरब ९६ अरब ५२ करोड़ ११ लाख बराबर खर्च कएने अइछ । ई वार्षिक लक्ष्यके तुलनामे २३ दशमलव ३७ प्रतिशत होइत अइछ ।
चालुगत शीर्षकमे अइ आर्थिक वर्षके लेल १२ खरब ७० अरब ५८ करोड़ ९० लाख बजेट विनियोजन कएल गेल छल । कातिक महिनाधैर वार्षिक विनियोजनके २७ दशमलव २९ प्रतिशत अर्थात् तीन खरब ४६ अरब ७५ करोड़ २४ लाख खर्च भेल अइछ ।
तहिना, पुँजीगत शीर्षकमे चाइर खरब ३१ अरब १० करोड़ ६३ लाख बराबर विनियोजन भेल छल । ओइमे सात दशमलव ५३ प्रतिशत अर्थात् ३२ अरब ४४ करोड़ ८६ लाख खर्च भेल अइछ । वित्तीय व्यवस्था शीर्षकमे अइ साल चाइर खरब २२ अरब ६४ करोड़ ९१ लाख बराबर बजेट विनियोजन कएल गेल छल । जइमे कातिक महिनाधैर २७ दशमलव ७६ प्रतिशत अर्थात् एक खरब १७ अरब ३२ करोड़ खर्च भेल अइछ ।
सरकार अइ साल १६ खरब ४२ अरब छ करोड़ ३७ लाख आम्दानी करबाक लक्ष्य निर्धारण कएने छल । जइमे कातिक महिनाधैर वार्षिक लक्ष्यके २३ दशमलव ३९ प्रतिशत अर्थात् तीन खरब ८४ अरब सात करोड़ बराबर प्राप्त कएने अइछ । कूल १५ खरब ८० अरब ३१ करोड़ ८३ लाख राजस्व उठेबाक लक्ष्य निर्धारण कएने सरकार पहिल चौमासिकधैर २३ दशमलव ५८ प्रतिशत अर्थात् तीन खरब ७२ अरब ७१ करोड़ ८० लाख बराबर राजस्व उठल अइछ ।
वैदेशिक अनुदानदिस अइ साल ६१ अरब ७४ करोड़ ५४ लाख बराबरके वार्षिक लक्ष्य निर्धारण कएल गेल छल । जइमे कातिक महिनाधैर १४ दशमलव पाँच प्रतिशत अर्थात् आठ अरब ६७ करोड़ ३५ लाख बराबर अनुदान प्राप्त भेल महालेखा नियन्त्रक कार्यालयके तथ्याङ्कमे उल्लेख अइछ ।(रासस)















