काठमाण्डू, १ अगहन : प्रहरी महानिरीक्षक डा. मनोज कुमार केसी वित्तीय अपराध नियन्त्रण तथा अनुसन्धानकेँ प्रभावकारी बनेबाक लेल आधुनिक प्रविधि आ वैज्ञानिक अनुसन्धान पद्धतिके प्रयोगकेँ प्राथमिकता देबाक लेल बतौलैन अइछ ।
प्रहरी प्रधान कार्यालय, अपराध अनुसन्धान विभागक ७१म स्थापना दिवसके अवसरमे आइ आयोजित एकदिवसीय कार्यशाला गोष्ठीके उद्घाटन करैत ओ वित्तीय अपराध नियन्त्रणमे आधुनिक प्रविधि आ वैज्ञानिक अनुसन्धानपर जोड़ देबाक चाही बतौलैन ।
वित्तीय अपराध अनुसन्धानकेँ परिणाममुखी बनेबाक लेल सरकारी निकाय, नियामक संस्था, बैंक तथा वित्तीय संस्था, दूरसञ्चार सेवा प्रदायक आ अन्य सरोकारवाला निकाय बीच समवंय आ सहकार्य आवश्यक रहल ओ उल्लेख केलैन । अपराध अनुसन्धानकेँ प्रभावकारी बनेबाक लेल सम्बन्धित निकाय बीच सूचनाके सहज, समयमे आ प्रभावकारी आदानप्रदान करैबला प्रणालीकेँ सुदृढ़ बनेबाक चाही तइपर ओ जोड़ देलैन ।
‘आधुनिक प्रविधि आ वैज्ञानिक अनुसन्धानः वित्तीय अपराध रोकथाम नेपाल प्रहरीके मूल अभियान’ नारासँ आयोजित कार्यशालाके मुख्य विषय ‘वित्तीय अपराध अनुसन्धानः प्रमाण सङ्कलनसँ फैसलाधैर’ अइछ ।
कार्यशालामे प्रहरी अतिरिक्त महानिरीक्षक, प्रहरी नायब महानिरीक्षक, अपराध अनुसन्धानकर्ता, अभियोजनकर्ता, वित्तीय नियामक निकाय, बैंक तथा वित्तीय संस्था आ दूरसञ्चार सेवा प्रदायकके प्रतिनिधिलगायत सरोकारवालाके सहभागिता अइछ ।
ओइ अवसरमे प्रहरी महानिरीक्षक डा केसी ‘नेपाल प्रहरी अनुसन्धान कएने चर्चित घटनाके सङ्ग्रह–भाग ३’ पुस्तक लोकार्पण केलैन । वित्तीय अपराध अनुसन्धानक विद्यमान चुनौतीके वस्तुनिष्ठ विश्लेषण करबाक सङे प्रमाण सङ्कलन, विश्लेषण, अभियोजन आ न्यायिक निरूपणधैरक प्रक्रियाकेँ थप प्रभावकारी बनेबाक उपाय पहिचान करबाक लेल कार्यशालासँ सहयोग होबाक प्रहरी प्रधान कार्यालय जनौलक अइछ ।(रासस)















