काठमाण्डू, १ अगहन : सरकार आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे बेसी कर चुक्ता करैबला कम्पनी तथा व्यक्तिगत करदाताकेँ सम्मान केलक अइछ ।
आन्तरिक राजस्व विभाग आइ राष्ट्रिय कर दिवसके अवसरमे १९ व्यक्ति तथा कम्पनीकेँ सम्मान केलक । अर्थमन्त्री डा स्वर्णिम वाग्ले सम्मानित भेनिहारकेँ सम्मानपत्र आ दोसल्ला ओढ़ा क सम्मान केलैन ।
बेसी आयकर दाखिल क सम्मानित हुअबलामे सूर्य नेपाल प्रालि अइछ, तँ एकलौटी फर्मसभमध्ये थर्ड आई अइछ ।
वस्तु निर्यातके कारोबारदिस डाबर नेपाल, सूचना प्रविधिसम्बन्धी सेवादिस इन्फाइनाइट सफ्टवेयर सर्भिस प्रालि सम्मानित भेल अइछ ।
तहिना, कृषि एवं पशुपक्षीजन्यमे ओसिबी एण्ड फुड्स फिड्स प्रालि अइछ, तँ बैङ्किङ्ग क्षेत्रमे कारोबार करैबलामे नबिल बैंक, स्वास्थ्य तथा शैक्षिकदिस नोबेल मेडिकल कलेज टिचिङ हस्पिटल, पर्यटन व्यवसायदिस सोल्टी होटल, वस्तु व्यापारके कारोबारमे सिजी इम्पेक्स प्रालि अइछ ।
तहिना, ५० करोड़सँ बेसी एक सओ करोड़धैर कारोबार करैबलामे फुड एण्ड विभरेज टेक्नोलोजी अइछ ।
ऊर्जा उद्योगदिस भोटेको हाईड्रोपावर, रेमिटेन्स तथा मनी ट्रान्सफरदिस आईएमई लिमिटेड अइछ । तहिना, व्यक्तिगत आयमे सबसँ बेसी कर चुक्ता करैबलामे राज बहादुर शाह छैथ ।
वि.सं. २०७७ सँ २०८३ धैर बेसी मूल्य अभिवृद्धि कर चुक्ता करैबलामे हिमालयन डिष्टिलरी लिमिटेड अइछ । ५० करोड़धैर वार्षिक कारोबार करैबला करदातामे इम्पेरियल सेक्युरिटिज, विशेष उद्योगसभमध्ये वरुण विभरेज, जीवन बीमा क्षेत्रदिस संस्थामे लाइफ इन्स्योरेन्स कर्पोरेशन, निर्जीवनमे सिद्धार्थ प्रिमियर आ लघुवित्त क्षेत्रमे छिमेक लघुवित्त अइछ ।
ओइ अवसरमे देशक राजस्वमे उच्च योगदान देबैबला भाटभटेनी सुपरमार्केट एण्ड डिपार्टमेन्टल स्टोरकेँ विशेष सम्मान कएल गेल अइछ ।(रासस)















