काठमाण्डू, १ अगहन : त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलसँ ६ सओ ३५ दशमलव ९६ ग्राम सोनासहित एक गोटे चिनियाँ नागरिक गिरफ्तार भेल अइछ । चीनके ग्वाङडोङ स्थायी ठेगाना रहल ४२ वर्षीय झान गुओकिङ्गकेँ गिरफ्तार कएल गेल विमानस्थल सुरक्षा कार्यालयके सहप्रवक्ता एवं प्रहरी नायब उपरीक्षक ढुण्डीराज नेउपाने जानकारी देलैन ।
झान हङकङसँ क्याथे प्यासिफिक एयरलाइन्समार्फत काठमाण्डू आएल छलैन । विमानस्थल सुरक्षा कार्यालय अनुसार शङ्कास्पद गतिविधिके आधारपर चेकजाँच करबाक क्रममे झान पहिरने भित्री वस्त्रमे प्लास्टिकसँ बेर क नुकौने अवस्थामे उक्त सोना बरामद कएल गेल । उक्त सोनाके तौल ६३५ दशमलव ९६ ग्राम रहल प्रहरी जनौलक अइछ ।
भंसार छली क अवैध रूपमे आनए लागल अवस्थामे उक्त सोना बरामद क झानकेँ नियन्त्रणमे लेल गेल प्रहरी नायब उपरीक्षक नेउपाने जानकारी देलैन । उक्त घटनाबारे थप अनुसन्धान भ रहल प्रहरी जनौलक अइछ ।(रासस)















