पोखरा, १ अगहन : नेपाली कांग्रेसक महामन्त्री प्रदीप पौडेल पार्टीके आत्मसमीक्षा, विचार, दस्तावेज आ सशक्त प्रतिपक्षी भूमिकाके स्पष्ट खाकासहित आइसँ ‘हामी तयार छौँ’ अभियान सुरु करए लागल जानकारी देलैन अइछ ।
कांग्रेस गण्डकी प्रदेश सोमदिन पोखरामे आयोजन कएने भेटघाट कार्यक्रममे ओ पार्टीके कमीकमजोरी सचियाबैत सशक्त रूपमे सकारात्मक प्रतिपक्षके भूमिका निर्वाहक योजना बनेबाक लेल ‘हामी तयार छौँ’ अभियान सञ्चालन करए लागल बतौलैन ।
हल्लासँ पार्टी कमजोर होबाक कारण ओइदिस नै लागए लेल पार्टीके नेता, कार्यकर्ताकेँ आग्रह करैत महामन्त्री पौडेल पार्टीकेँ सशक्त बनाबए आपसी सहकार्य आ समवंय आवश्यक हएत बतौलैन । कार्यविभाजन नै भेल नेतासभकेँ भूमिकाके जिमेवारी देबाक सन्दर्भमे पार्टी पैघ दायरा निर्माण करबाक ओ स्पष्ट केलैन ।
पार्टीके आत्मसमीक्षा, विचार, दस्तावेज आ सशक्त प्रतिपक्षी भूमिकाके स्पष्ट खाका बनेबाक लेल अभियान सुरु करए लागल महामन्त्री पौडेल जानकारी देलैन । अगहन महिनामे जिला आ प्रदेश अधिवेशनसहित स्थानीय तह निर्वाचनक तैयारीकेँ व्यापक बनेबाक उल्लेख करैत ओ शीघ्र अभियानके खाकासहितक सर्कुलर प्रदेश आ जिला तहमे पठेबाक बतौलैन ।(रासस)















