काठमाण्डू, १ अगहन : सरकार चालु आर्थिक वर्ष २०८३/८४ के पहिल तीन महिना (आसिन महिना) धैर देशमे सार्वजनिक कर्जाके साँवा खर्च तथा ब्याज भुक्तानीमे ९८ अरब ८७ करोड़ ३५ लाख भुक्तानी केलक अइछ । सरकार अइ शीर्षकमे चालु आर्थिक वर्षके लेल चाइर खरब १७ अरब ८८ करोड़ विनियोजन कएने छल । उक्त रकम तीन महिनामे भुक्तानी कएल गेल सार्वजनिक ऋण व्यवस्थापन कार्यालय जनौलक अइछ ।
कार्यालय चालु आर्थिक वर्षके आसिन महिनाधैरके अवधिमे दायित्व ३० खरब नौ अरब ११ करोड़ पहुँचल जनौलक अइछ । सार्वजनिक कर्जा सरकारके आम्दानी एवं दायित्वके स्रोत अइछ । सरकार सार्वजनिक कर्जामार्फत विकास परियोजना तथा दैनिक कार्य सञ्चालनक लेल खर्च व्यवस्थापन करबाक कार्यालयके अधिकृत कृष्ण प्रसाद शर्मा जानकारी देलैन ।
उक्त कार्यालय सार्वजनिक कर्जाके लागत आ वित्तीय जोखिम कम करैत कर्जा दायित्वकेँ दीर्घकालीन रूपमे व्यवस्थापन करैत आएल अइछ । कूल सार्वजनिक कर्जामे २०८३ साओन १ गतेसँ प्रथम त्रैमासिकके अवधिमे वैदेशिक कर्जाके हिस्सा ५३.१३ प्रतिशत तथा आन्तरिक कर्जाके हिस्सा ४६.८७ प्रतिशत अइछ । जे कूल ग्राहस्थ्य उत्पादनके करिब ४६ प्रतिशत रहल ओ जानकारी देलैन ।
सार्वजनिक कर्जा व्यवस्थापनमे कर्जा उठेबाक, ग्यारेन्टी करबाक, कर्जा चुक्ता करबाक एवं कर्जाके पुन संरचनासँ सम्बन्धित काजसभ पड़ैत अइछ । आन्तरिक कर्जाकेँ अल्पकालीन स्रोत मानल गेल अइछ । अइ अन्तर्गत ट्रेजरी बिल, विकास ऋणपत्र, नागरिक तथा वैदेशिक रोजगार बचतपत्रकेँ लेल गेल अइछ । दीर्घकालीन स्रोतके रूपमे बाह्य कर्जाकेँ लेल जाएत अइछ । अइ अन्तर्गत कर्जा विश्व बैंक, एसियाली विकास बैंकलगायत अन्तर्राष्ट्रिय सङ्घ संस्था तथा विदेशी सरकारसँ लेल जाइत अइछ । (रासस)















