काठमाण्डू, १ अगहन : तेसर संस्करणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) क्रिकेटके पहिल क्वालिफायर खेलमे आइ लुम्बिनी लायन्स आ सुदूरपश्चिम रोयल्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत । 


दूनु टोली बीचके खेल दुपहर ५ः०० बजेसँ कीर्तिपुरस्थित त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट मैदानमे हएत । 


आजुक विजेता टोली फाइनलमे स्थान सुनिश्चित करत, तँ पराजीत टोलीकेँ फाइनल प्रवेश करबाक लेल दोसर अवसर भेटत । आजुक पराजित टोली फाइनल प्रवेशके लेल एलिमिनेटर खेलके विजेतासँ प्रतिस्पर्धा करत । 


सुदूरपश्चिम आ लुम्बिनी पहिल अवसर सदुपयोग क फाइनलमे स्थान बनेबाक योजनासहित मैदान उतरत । सुदूरपश्चिम लगातार तेसर तथा लुम्बिनी दोसर बेर फाइनलके यात्रा करबाक लक्ष्यमे रहत । बितल संस्करणके एनपिएल फाइनलमे सुदूरपश्चिमकेँ पराजीत करैत लुम्बिनी उपाधी हासिल कएने छल । 


इएह संस्करणके पहिल खेलमे सेहो लुम्बिनी सुदूरपश्चिमकेँ पराजीत कएने छल । लुम्बिनी आइ सेहो ओएह नतिजा दोहराबैत फाइनलके यात्रा करबाक योजनामे रहत ।


दीपेद्रसिंह ऐरी नेतृत्वक सुदूरपश्चिम लुम्बिनीसँ बितल दू हारके बदला लैत तेसर बेर फाइनलमे स्थान बनेबाक योजनामे रहत ।(रासस)