काठमाण्डू, २९ कातिक : नेपाल बूढीगण्डकी जलविद्युत आयोजनामे लगानीके लेल संयुक्त अरब इमिरेट्स (युएई)समक्ष प्रस्ताव केलक अइछ ।
युएईके भ्रमणमे रहल गृहमन्त्री सुधन गुरुङ आ ओइ ठामक वैदेशिक व्यापार मन्त्री डा. थानी बिन अहमद अल जेयोदी बीच आबुधावीमे शैनदिन भेल शिष्टाचार भेटमे नेपाल उक्त प्रस्ताव केलक । ओइ अवसरमे गृहमन्त्री गुरुङ कृषि तथा सेवा क्षेत्रक विकास तथा सुरक्षा प्रविधिमे सहकार्यक प्रस्ताव कएने हुनक सचिवालय जनौलक अइछ ।
दूनु गोटे बीच दू पक्षीय व्यापार, लगानी तथा आर्थिक सहकार्यके विविध आयामबारे परामर्श होबाक सङे सुरक्षा निकायकेँ प्रविधिमैत्री आ आधुनिक बनेबाक विषयमे सेहो विचारविमर्श भेल छलैन । नेपाल प्रस्ताव कएने परियोजनामे औपचारिक प्रस्ताव आदानप्रदान क आवश्यक प्रक्रिया आगु बढ़ेबाक तथा आगामी दिनमे सहकार्य थप सुदृढ़ आ विस्तार करबाक विषयमे दूनु पक्षके सकारात्मक धारणा रहल गृहमन्त्रीके सचिवालय जनौलक अइछ ।
गृहमन्त्री गुरुङ युएईके दुबईमे आयोजित ‘विश्व प्रहरी शिखर सम्मेलन’मे सहभागी होबाक लेल शुक्रदिन ओइदिस प्रस्थान कएने छलैन । (रासस)
–––















