मधुमेह दिवस अइछ। विश्वक विभिन्न देशमे विभिन्न जनचेतनामूलक कार्यक्रमक सङे ई दिवस मनाएल जा रहल अइछ।
मधुमेह रोगबारे जनचेतना बढ़ेबाक, एकर जोखिम घटेबाक तथा रोकथाम, पहिचान आ इलाजमे पहुँच बढ़ेबाक उद्देश्यसँ प्रत्येक वर्ष १४ नवम्बरमे ई दिवस मनाएल जाइत अइछ।
पछिला एक दशकमे उच्च जोखिम रहल देशके तुलनामे न्यून तथा मध्यममे रहल देशसभमे मधुमेहक प्रकोप तेजीसँ बढ़ल अइछ। एकर प्रमुख कारणमे मोटापा सेहो रहल विश्व स्वास्थ्य सङ्गठन जनौने अइछ।
मधुमेहसँ दृष्ट्रिविहिनता, किडनी खराब होएब, हृदयाघात, पक्षाघात तथा हाथ–गोड़ काटबाक अवस्था आएब लगायत प्रमुख कारणसभमे एक अइछ। स्वस्थ भोजन, नियमित शारीरिक व्यायाम तथा सुर्तीजन्य पदार्थक सेवन नै कएलासँ टाइप–२ मधुमेहसँ बचल जा सकैत अइछ वा एकर जोखिम घटाएल जा सकैत अइछ।
चिकित्सकसभअनुसार मधुमेहक समयपर पहिचान, नियमित स्वास्थ्य परीक्षण, दवाइ इलाज तथा रोगक जटिलताक उचित इलाजसँ एकर गम्भीर असर रोकल वा घटाएल जा सकैत अइछ। (रासस)
तस्वीर : विश्व स्वास्थ्य सङ्गठन
–















