धनुषा, २७ कातिक : मधेश प्रदेश सरकार मकवानपुरक भीमफेदीमे भेल सड़क दुर्घटनामे मृत्यु भेनिहार प्रत्येक परिवारकेँ १ लाख टका राहत देबाक निर्णय केलक अइछ।
प्रदेश मन्त्रिपरिषदके आजुक बैसारमे मृतक परिवारकेँ राहतस्वरूप प्रत्येककेँ १ लाख टका देबाक आ घायलसभके इलाज प्रादेशिक अस्पतालमे निःशुल्क करबाक व्यवस्था मिलेबाक निर्णय कएल गेल स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्यामन्त्री नागेन्द्र साह जानकारी देलैन।
मन्त्री साहअनुसार मधेश प्रदेशसभाक बैसार अइ कातिक २८ गतेसँ सञ्चालन करबाक लेल प्रदेश प्रमुखसमक्ष सिफारिस करबाक निर्णय मन्त्रिपरिषद केलक अइछ।(रासस)















