पाकिस्तानक सेना अफगानिस्तानसँ सीमाजोड़ल उत्तर–पश्चिमी तथा दक्षिण–पश्चिमी क्षेत्रमे पछिला १० दिनमे चलल सुरक्षा कारबाहीमे ७४ गोटे लड़ाकू मारल गेल जनौलक अइछ।


सेनाद्वारा शुक्रदिन जारी विज्ञप्तिअनुसार खैबर पख्तुनख्वा प्रान्तक मीर अली तथा ओराकजई जिलामे चलाएल कारबाहीमे ४३ गोटे लड़ाकू मारल गेल अइछ। अइ कारबाहीमे हतियार, गोलीगट्ठा तथा विस्फोटक पदार्थ सेहो बरामद कएल गेल सेना जनौने अइछ।


तहिना बलोचिस्तान प्रान्तमे ३ नवम्बरसँ चलाएल विभिन्न कारबाहीमे ३१ गोटे लड़ाकू मारल गेल, सेनाक दाबी अइछ। अइ प्रान्तमे प्रतिबन्धित बलोच लिबरेशन आर्मीक नेतृत्वमे सशस्त्र विद्रोह जारी अइछ।


मारल गेल लड़ाकूसभकेँ अफगानिस्तान तथा भारतके समर्थन रहल पाकिस्तानी सेनाकेँ आरोप अइछ। काबुल तथा नयाँ दिल्ली अइसँ पहिने एहन आरोप अस्वीकार क चुकल अइछ।


राष्ट्रपति आसिफ अली जरदारी तथा प्रधानमन्त्री शहबाज शरीफ सुरक्षा बलके प्रशंसा करैत उग्रवाद विरुद्धक अभियान जारी रखबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन।


सेनाद्वारा मारल गेल लड़ाकूसभकेँ ‘खवारिज’ नाम देलक अइछ। पाकिस्तान सरकार अफगानिस्तानक समर्थन प्राप्त लड़ाकू, विशेष रूपमे ‘तहरीक–ए–तालिबान पाकिस्तान’ (टीटीपी)सँ सम्बद्ध व्यक्तिक लेल ई शब्द प्रयोग करैत आएल अइछ। काबुल टीटीपीकेँ समर्थन करबाक आरोपकेँ लगातार अस्वीकार करैत आएल अइछ।


टीटीपी अफगानिस्तानक तालिबानसँ अलग समूह छै, मुदा दुनू समूहबीच गठबन्धन छै। अफगानिस्तानक तालिबान सन् २०२१मे काबुलक सत्ता कब्जामे लेने छल। टीटीपीक बहुतो नेता तथा लड़ाकू अफगानिस्तानक सीमावर्ती क्षेत्रमे रहल सुरक्षित आश्रयस्थलसँ गतिविधि सञ्चालन क रहल एहन विश्वास कएल जाइत अइछ। अइ विषयकेँ ल क पाकिस्तान आ अफगानिस्तानक सम्बन्धमे तनाव उत्पन्न होइत आएल अइछ।( इस्लामाबाद,(रासस/एपी) :