विपक्षी कांग्रेस पार्टीद्वारा आयोजित लोकतन्त्र सम्मेलनमे आइब रहल ११५ गोटे अन्तर्राष्ट्रीय वक्ताकेँ प्रवेश अनुमति रद्द कएल गेल कांग्रेसक एक वरिष्ठ नेता जानकारी देलैन।
प्रवेश अनुमति नै पौनिहारमे नर्वेके एक पत्रकार सेहो छैथ। ओ अइसँ पहिने प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीसँ प्रेस स्वतन्त्रताक विषयमे प्रश्न कएने छल।
कांग्रेसक सांसद तथा संयुक्त राष्ट्रसंघक पूर्व वरिष्ठ अधिकारी शशि थरुरअनुसार भारतक विदेश मन्त्रालय ३१५ वक्ताकेँ अनुमति देने छल, मुदा बादमे ११५ गोटेकेँ प्रवेश अनुमति नै देल गेल वा हुनकर भिसा रद्द क देल गेल छै। सम्भवतः ई कदम गृह मन्त्रालयक निर्देशनपर उठाएल गेल, ओ कहलैन।
थरुर सामाजिक सञ्जाल ‘एक्स’पर लिखलैन, “सरकार कोन कानूनी प्रावधान अन्तर्गत एना केलक से स्पष्ट नै छै।”
ओ आओरो कहलैन, “अपनाकेँ आलोचनात्मक लागल आवाजकेँ दबेबाक आवश्यकता पड़ल एकटा गौरवशाली लोकतन्त्र लेल ई बहुत लज्जास्पद बात छै।”
नर्वेके पत्रकार हे लिङ कहलैन जे बुधदिन भारत लेल प्रस्थान करएसँ पहिने हुनकर भिसा रद्द कएल गेल छै। सम्मेलनमे सञ्चारमाध्यम तथा प्रेस स्वतन्त्रताक विषयमे बजबाक लेल हुनका आमन्त्रित कएल गेल छल। मई महिनामे ओस्लो भ्रमणमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे ओ प्रधानमन्त्री मोदीसँ प्रश्न कएने छल।
एहि घटनाक ‘एडिटर्स गिल्ड अफ इण्डिया’ निन्दा कएने अइछ। गिल्ड अइ कदमकेँ ‘प्रशासनिक अतिक्रमण’ कहैत सरकारसँ एकर कारण सार्वजनिक करबाक तथा निर्णय वापस लेबाक आग्रह कएने अइछ।
शुक्रदिन हैदराबादमे शुरू भेल दू दिनक सम्मेलनमे ७०सँ बेसी देशक लगभग १ हजार प्रतिनिधि सहभागी छैथ। सम्मेलनमे लोकतन्त्र, जलवायु परिवर्तन, कृत्रिम बुद्धिमत्ता (एआई) तथा विश्वव्यापी सहकार्यक विषयमे बातचित हएत । (नयाँ दिल्ली, (रासस/एएफपी) : भारत















