काठमाण्डू, २७ कातिक : सूचना तथा सञ्चारमन्त्री डा. विक्रम तिमिल्सिना कहलैन जे अन्तर्राष्ट्रीय दूरसञ्चार संघ (आईटीयू) क महासम्मेलन (आईटीयू पीपी–२६)मे नेपाल अर्थपूर्ण आ प्रभावकारी सहभागिता जनौलक अइछ।
कतारके दोहामे जारी सम्मेलनमे सहभागी भ आइ त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रीय विमानस्थलमे आयोजित पत्रकार भेटघाटमे ओ कहलैन जे उदीयमान प्रविधिक प्रयोगमार्फत विकासशील राष्ट्रमे देखल जा रहल ‘डिजिटल डिभाइड’ घटेबाक आ प्रविधिक पहुँच बढ़ेबाक विषयमे नेपाल अपन धारणा राखने छै।
सम्मेलनक समय सूचना प्रविधि आ दूरसञ्चार क्षेत्रमे उल्लेखनीय प्रगति कएल देशसभसँ समक्ष डिजिटल रूपान्तरणक विषयमे सहकार्य आ साझेदारी बढ़ेबाक विषयपर सेहो बातचित भेल, ओ जानकारी देलैन। “सूचना प्रविधिक क्षेत्रमे पहुँच बढ़ैत जेबाक चाही, मुदा विभिन्न कारणसँ ई पहुँच घटैत सेहो देखल गेल अइछ। सूचना प्रविधिक पहुँच कोना बढ़ाएल जाए, अइ विषयमे द्विपक्षीय बातचित भेल,” ओ कहलैन।
मन्त्री तिमिल्सिना मलेसिया, इस्टोनिया, कतार, चीन, भारत तथा रूसलगायत देशक मन्त्री, राज्यमन्त्री तथा सहायक मन्त्रीसभसँ द्विपक्षीय भेटघाट आ महत्वपूर्ण बातचित भेल जनौलैन। नेपालक आवश्यकता तथा रुचिअनुसार विभिन्न देशसँ सूचना प्रविधि तथा दूरसञ्चार क्षेत्रमे सहकार्य आ साझेदारीक विषयमे विचार–विमर्श भेल कहलैन।
बाइढ़, भुस्खलन आ भूकम्पजका विपदक समय सञ्चार प्रणालीकेँ कोना निर्बाध रूपमे चालू राखल जाए, अइ विषयपर सम्मेलनमे व्यापक बातचित भेल, मन्त्री तिमिल्सिना जानकारी देलैन। अइ क्रममे नेपालक दिससँ ओ विपदक समय सञ्चारक भूमिका आओरो महत्वपूर्ण होइत छै, अइपर जोड़ दैत नीतिगत मन्तव्य देलैन।
इन्टरनेसनल टेलिकम्युनिकेसन युनियन (आईटीयू) दूरसञ्चार क्षेत्रमे विश्वस्तरपर नीतिनिर्माणक काज करैत आएल अइछ। आईटीयूमे १९४ देश सदस्य छैथ। (रासस)















