काठमाण्डू, २७ कातिकः राष्ट्रिय तथ्याङ्क कार्यालय आर्थिक गणनाअन्तर्गत छ टा प्रदेशक व्यावसायिक प्रतिष्ठानके लगत प्रशोधन कार्य सम्पन्न केलक अइछ  ।


कार्यालय कोशी, मधेश, गण्डकी, लुम्बिनी, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक व्यावसायिक प्रतिष्ठानके तथ्याङ्क प्रशोधन पूरा केलक अइछ  । बाँकी बागमती प्रदेशक प्रतिष्ठानके तथ्याङ्क प्रशोधन कार्य भ रहल गणना शाखाक निर्देशक डा वेदप्रसाद ढकाल जानकारी देलैन अइछ।


हुनक कहब अनुसार प्रशोधन कएल गेल करिब ११ लाख व्यावसायिक प्रतिष्ठानके विवरणमे रहल त्रुटि, दोहोराएल विवरण तथा अङ्कगत असङ्गति सुधार करैत तथ्याङ्कके गुणस्तर सुनिश्चित भ रहल अइछ ।


आर्थिक गणनामे कूल १३ लाख ६६ हजार व्यावसायिक प्रतिष्ठान छल। बितल वैशाख २सँ अखार ७ गतेधैर सञ्चालन कएल गेल गणनामे सङ्कलित विवरणकेँ सही, विश्वसनीय आ उपयोगी बनेबाक लेल लगत प्रशोधनके विभिन्न चरण पूरा करैत अइछ ।


प्रतिष्ठानके प्रकृतिअनुसार औद्योगिक, व्यापारिक तथा सेवामूलक क्षेत्रके रूपमे वर्गीकरण क राष्ट्रिय तथा अन्तर्राष्ट्रीय मापदण्डअनुसार कोडिङ कएल जेबाक निर्देशक ढकाल बतौलैन ।


कागजी तथा डिजिटल फाराममे सङ्कलित विवरण डेटाबेसमे प्रविष्ट करैत अखन अन्तिम चरणमे पहुँचल अइछ । अखनधैर करिब सात लाख व्यावसायिक प्रतिष्ठानके विवरण प्रविष्ट कएल गेल ओ जानकारी देलैन अइछ ।


गणनामे व्यावसायिक कृषि, खानी, उत्पादन तथा उद्योग, व्यापार, निजी व्यवसाय, बैंक तथा सहकारीलगायत वित्तीय संस्थासम्बन्धी प्रतिष्ठानके विवरण समेटल गेल अइछ ।


तथ्याङ्क प्रविष्टि तथा प्रशोधनक लेल आवश्यक जनशक्तिके व्यवस्थापन कएल गेल कार्यालय जनौलक अइछ । आर्थिक गणनाके प्रतिवेदन तैयार भेलाक बाद देशक समग्र अर्थतन्त्रमे होएबला प्रभावके विश्लेषणमे सहयोग पहुँचबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ ।(रासस)