अन्ताल्या (टर्किए), २६ कातिक: परराष्ट्रमन्त्री शिशिर खनाल जलवायु परिवर्तनक मुद्दा सझिया विषय भेल बतौलैन अइछ ।
टर्कीएके अन्ताल्यामे जारी जलवायु परिवर्तनसम्बन्धी संयुक्त राष्ट्र सङ्घीय सम्मेलन (कोप–३१) के अवसरमे मन्त्री खनाल उक्त धारणा व्यक्त केलैन ।
परराष्ट्रमन्त्री खनाल नेपाल पेभिलियनमे आयोजित साइड इभेन्टकेँ सम्बोधन करैत हिन्दूकुश हिमाली क्षेत्रकेँ सुदृढ़ बनेबाक लेल जोड़ देलैन ।
‘रिजनल कोअपरेसन मेकानिजम फर द हिन्दुकुश हिमालयः लेसन्स फ्रम ट्रान्सबाउन्ड्री क्लाइमेट डिजास्टर्स’ विषयक कार्यक्रममे ओ जलवायु परिवर्तनक असर सीमाना नै चिन्हलाक कारण सझिया चुनौतीके सामना करबाक लेल क्षेत्रीय तथा विश्वव्यापी ऐक्यबद्धता थप सुदृढ़ करबाक चाही से धारणा व्यक्त केलैन ।
पृथ्वीके पारिस्थितिक प्रणाली स्वास्थ्य आ मानवताके सामूहिक हितक संरक्षणके लेल बहुसरोकारवाला साझेदारीकेँ थप प्रभावकारी बनेबाक लेल ओ जोड़ देलैन ।
उक्त कार्यक्रममे कोप–३१ मे सहभागी विभिन्न देशक नीति निर्माता, क्षेत्रीय विज्ञ, जलवायु अभियन्ता तथा अन्य सरोकारवालसभक सहभागिता छल(रासस)















