जनकपुरधाम, २६ कातिक : धनुषाके बटेश्वर गाउँपालिकाके स्थायी बासी भ देशक विभिन्न स्थानपर सरकारी सेवामे कार्यरत एक सओ २७ गोटे राष्ट्रसेवक कर्मचारीकेँ ‘बटेश्वर रत्न २०८३’ सँ सम्मानित कएल गेल अइछ ।


बटेश्वर नागरिक समाज बटेश्वर गाउँपालिकाके पाँचाे वाडक स्थायी बासी भ सरकारी सेवामे स्थायी रूपमे कार्यरत कर्मचारीकेँ सम्मान केलक अइछ ।


बटेश्वरस्थित शिवशक्ति माध्यमिक विद्यालयमे आयोजित समारोहमे पहिल चरणमे एक सओ २७ गोटे कर्मचारीकेँ सम्मान कएल गेल नागरिक समाजक संयोजक डा. सुनिल सिंह जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार गाउँपालिकाके पाँचाे वाडसँ अनलाइन तथा प्रत्यक्ष रूपमे तथ्याङ्क सङ्कलन क सम्मानित हुअबला कर्मचारीके पहिचान कएल गेल छल ।


सरकारी सेवामे प्रवेश कएने कर्मचारीके मनोबल बढ़ेबाक, जन्मभूमिप्रतिके अपनत्व आ उत्तरदायित्वके भावना अभिवृद्धि करबाक तथा नयाँ पुस्ताकेँ लोकसेवा आयोगक प्रतिस्पर्धामे सहभागी होबाक लेल प्रेरित करबाक उद्देश्यसँ सम्मान कार्यक्रम आयोजन कएल गेल समाज जनौलक अइछ ।


कार्यक्रममे स्थानीय कृषि उपज, माइट तथा बाँससँ निर्मित बरतन आ अन्य सामग्रीके प्रदर्शनी सेहो कएल गेल छल । स्थानीय उत्पादनके महत्त्व उजागर करबाक उद्देश्यसँ आयोजित प्रदर्शनीके क्रममे स्थानीय उत्पादनमे योगदान पहुँचाबैबला उत्पादककेँ सेहो सम्मान कएल गेल छल ।


कार्यक्रम संयोजक पत्रकार शैलेन्द्र महतो ‘क्रान्ति’के अनुसार अगिलासँ निश्चित मापदण्ड बना क सरकारी सेवा, कृषि, उद्योग, व्यवसाय, सञ्चारलगायत क्षेत्रमे उत्कृष्ट योगदान पहुँचाबैबला व्यक्तिके पहिचान आ छनौट क ‘बटेश्वर रत्न’ सँ सम्मान करबाक लक्ष्य राखल गेल बतौलैन ।


कार्यक्रममे प्रतिनिधि सभा सदस्य राजकिशोर महतो, गाउँपालिका अध्यक्ष रामअशिष महतो, जनकपुरधामस्थित कबिर बालवात्सल्य आश्रमके सञ्चालक सन्त सत्यनारायण आलोक, बटेश्वरके स्थायी बासी एवं महालेखा परीक्षक कार्यालयके नायब महालेखापरीक्षक तथा सहसचिव राम प्रकाश महतो आ हुलाकी सड़क निर्देशनालय जनकपुरक प्रमुख कृष्ण कुमार महतो (सीडीई) लगायत सम्मान प्रदान केलैन ।


ओइ अवसरमे ३३ गोटे रक्तदान कएने ब्लड फर नेपालक अध्यक्ष सरोज कुमार महतो जानकारी देलैन ।


समाज बटेश्वरके इतिहास, धार्मिक धरोहर तथा सम्पदा, सरकारी सेवा, कृषि, उद्योग आ व्यवसायलगायतक क्षेत्रमे हासिल भेल उपलब्धी, सफलता आ सङ्घर्षक कथा समैट क ‘बटेश्वर स्मारिका’ नामक पुस्तक सेहो वार्षिक रूपमे प्रकाशन करबाक लक्ष्य राखल गेल समारोह सञ्चालक शत्रुधन शर्मा जानकारी देलैन ।(रासस)