वीरगञ्ज (पर्सा), २६ कातिक : पर्सास्थित वीरगञ्ज कारागारसँ एक गोटे कैदी फरार भेल अइछ । कारागारके सुरक्षा घेरा तोड़ैत पोखरिया नगरपालिका–सतबरियाके सुनील साह आइ कारागार सरसफाइ करबाक क्रममे फरार भेल छैथ ।
जबर्जस्ती करणी मुद्दाके कैदी साह फरार भेल सूचना प्राप्त भेलाक लगले जिला प्रहरी कार्यालय पर्सा आ सशस्त्र प्रहरी बलके टोली परिचालन क खोजीकेँ तीव्र बनाएल प्रहरी नायब उपरीक्षक चक्र बहादुर मल्ल राससकेँ जानकारी देलैन ।
वीरगञ्ज भारतसँ खुला सीमा लग भेलाक कारण फरार कैदी भारतदिस भाइग सकबाक आशङ्कामे सीमावर्ती क्षेत्र तथा मुख्य नाकासभमे निगरानी आ सुरक्षा जाँच कड़ा बनाएल गेल अइछ । (रासस)















