हेटौँडा, २६ कातिक : मकवानपुर जिलाके भीमफेदी गाउँपालिका–६ स्थित चिसापानी गढीमे आइ भेल विद्युतीय गाड़ी (इभी) दुर्घटनामे मृत्यु भेल चालकके पहिचान खुलल अइछ ।
इभी चालक सर्लाही कविलासी नगरपालिका–८ के रविशङ्कर कुमार मण्डल रहल जिला प्रहरी कार्यालय मकवानपुरके प्रहरी नायब उपरीक्षक माधव प्रसाद काफ्ले जानकारी देलैन ।
प्रहरी अनुसार उक्त दुर्घटनामे १० गोटेके मृत्यु होबाक सङे ५ गोटे घायल भेल अइछ । मृत्यु हुअबलामे पाँच पुरुष, तीन महिला आ दू बालिका अइछ । दुर्घटनामे घायल भेल व्यक्तिसभक हेटौँडा अस्पतालमे इलाज भ रहल अइछ ।
काठमाण्डूसँ सर्लाहीदिस जा रहल मधेश प्रदेश ०३–००१ ज ०८८० नम्बरके यात्रुबाहक इभी भोर करिब ५ः४५ बजे भीमफेदी–कुलेखानी–काठमाण्डू सड़कसँ करिब ५ सओ मिटर निचा खसल छल ।
अन्य मृतकके पहिचान तथा दुर्घटनाके कारणबारे थप विवरण एबाक बाँकी रहल प्रहरी नायब उपरीक्षक काफ्ले जानकारी देलैन ।(रासस)















