काठमाण्डू, २६ कातिक : छैठ पाबैनके लेल काठमाण्डू उपत्यकाके विभिन्न नदी, पाेखैर तथा जलाशयमे तैयारी सुरु भेल अइछ ।
काठमाण्डूमे बितल समय छैठ पाबैन मनाबैबलाके सङ्ख्या बढ़लासँ अइ साल सेहो विभिन्न १७ स्थानपर छैठ घाट निर्माण, सरसफाइ तथा व्यवस्थापनके काज भ रहल अइछ ।
गौरीघाट, गुह्येश्वरी, कमलपोखरी, बागमती नदी, टेकु आ वंशीघाटलगायत स्थानपर छैठ पाबैन मनेबाक तैयारी कएल गेल अइछ । छैठ पाबैनके अवसरमे अस्ताइत आ उगैत सूर्यकेँ अरद्ध द पूजा करबाक परम्परा अइछ । चाइर दिनधैर विभिन्न विधि आ धार्मिक आस्थासँ मनाएल जाएबला अइ पाबैनमे नदी, पोखैर तथा जलाशयके कातमे व्रतीसभ सूर्यके उपासना करैत छैथ ।
गौरीघाटस्थित छैठ पूजा व्यवस्थापन समितिक अध्यक्ष अनिल सिंहके कहब अनुसार गौरीघाटमे ५ सओ ५७ गोटे व्रतालुके पूजा करैजका घाट निर्माण भ रहल अइछ । घाटपर त्रिपाल लगेबाक, लाइटके व्यवस्था करबाक, नदी सरसफाइ करबाक तथा आवश्यक पूर्वाधार तैयार करबाक काज भ रहल ओ बतौलैन ।
“काठमाण्डूमे सेहो छैठ मनेबाक परम्परा बइढ़ रहल छै । हमसभ एकर तैयारी अन्तिम चरणमे पहुँचौने छी । त्रिपाल लगेबाक आ सरसफाइ करबाक काज भ रहल छै ।”
अध्यक्ष सिंह कहलैन, “अस्ताइत आ उगैत सूर्यके अराधना कएल जाएबला छैठक महत्व अपरम्पार छै । कोबला पूरा करबाक लेल सेहो छैठक व्रत कएल जाइत छै । व्रतालुकेँ सहज हुअबला वातावरण तैयार करबाक लेल हमसभ जुटल छी ।”
काठमाण्डूमे छैठ पाबैन मनाएल जाएबला प्रमुख स्थानमे गौरीघाट आ गुह्येश्वरी क्षेत्र, कमलपोखरी, बागमती नदीके थापाथली, टेकु, वंशीघाट, कुपण्डोल आ बल्खु क्षेत्र अइछ ।
तहिना, विष्णुमती नदी, नख्खु नदी, तीनकुने दोभान, टङ्केश्वर, बोक्सीदह, कुलेश्वर, रामघाट तथा बालाजुस्थित बाइसधारामे सेहो छैठ पूजा कएल जाइत अइछ ।
काठमाण्डू महानगरपालिका विगत सालमे कमलपोखरी, गौरीघाट, बोक्सीदह, बागमती दोभान, टङ्केश्वर, बल्खुस्थित कुमारी क्लब क्षेत्र, कुलेश्वर भलिबल ग्राउन्ड आ रामघाटकेँ छैठ पूजाके प्रमुख स्थलके रूपमे व्यवस्थापन करैत आएल अइछ ।
बालाजु बाइसधारा आ वंशीघाटलगायत स्थानपर सेहो पाबैनके अवसरमे घाट निर्माण तथा व्यवस्थापन होइत आएल अइछ ।
छैठ पाबनैअन्तर्गत कातिक २८ गते शैनदिन खरना विधि कएल जाएत । कातिक २९ गते रैबदिन साँझमे अस्ताइत सूर्यकेँ अरघ द क पूजा कएल जाएत, तँ कातिक ३० गते सोमदिन भोर उगैत सूर्यकेँ अरघ देलाक बाद पाबैन सम्पन्न हएत ।
विशेष क तराई मधेशमे श्रद्धा आ भक्तिपूर्वक मनाएल जाएबला छैठ पाबैन बितल समय काठमाण्डू उपत्यकासहित पहाड़ी तथा हिमाली क्षेत्रमे सेहो विस्तार होइत गेल अइछ । रासस















