वासिङ्टन, २३ कातिक : अमेरिकी विदेशमन्त्री मार्को रुबियो इरानसँ जारी द्वन्द्व अन्त्य करबाक कूटनीतिक प्रयासमे कोनो ठोस प्रगति नै भेल बतौलैन अइछ । तेहरानक माँगसभ अस्वीकार्य, अपमानजनक आ हास्यास्पद रहल टिप्पणी करैत ओ तत्काल सम्झौताके सम्भावना नै रहल स्पष्ट केलैन ।


जी–७ विदेश मन्त्रीसभक बैसारमे सहभागी होबाक लेल पेरिस प्रस्थान करएसँ पहिने फ्लोरिडामे पत्रकारसभसँ बातचित करैत रुबियो विभिन्न देश अमेरिका आ इरान बीच मध्यस्थता क रहलाक बादो वार्ता निस्कर्षधैर नै पहुँचल बतौलैन । राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प कूटनीतिक समाधानके पक्षमे रहल उल्लेख करैत ओ इरानक माँगसभ व्यावहारिक नै रहल टिप्पणी केलैन ।


अइ बीच, इरानी विदेशमन्त्री अब्बास अराघची अमेरिकाकेँ सब मोर्चामे युद्ध अन्त्य करबाक तेहरानक प्रस्ताव स्वीकार करए वा शख्त सैन्य प्रतिकारके सामना करबाक लेल चेतावनी देलैन । रैबदिन सामाजिक सञ्जाल एक्समार्फत ओ अमेरिकी मतदाता अपन निर्णय क चुकल उल्लेख करैत आब युद्ध अन्त्य करबाक वा क्षेत्रीय द्वन्द्व बढ़ेबाक निर्णय वासिङ्टनके हातमे रहल बतौलैन ।


इरानक दू दिनक प्रस्ताव अखनो कायम रहल कहैत सब मोर्चामे युद्ध अन्त्य करबाक सर्त पूरा करै लेल अराघची अमेरिकाकेँ आग्रह केलैन । प्रस्ताव अस्वीकार क युद्ध चुनलक तँ इरानी सेना शख्त जबाब देबाक ओ चेतावनी देलैन ।


तेहरानमे पत्रकारसभसँ बातचित करैत अराघची अमेरिकी मध्यावधि निर्वाचनके नतिजाके कारण युद्ध अन्त्यके लेल भ रहल मध्यस्थताके प्रयास बन्द भेल बतौलैन । निर्वाचनके परिणामसँ सबकेँ स्तब्ध कएने उल्लेख करैत ओ मध्यस्थकर्तासभ पुनः संवाद सुरु करबाक लेल अनुकूल वातावरण बनै लेल किछ समय लागबाक बतौलैन ।रासस/एएनआई