काठमाण्डू, २० कातिक : सरकार लगानी तथा पूर्वाधार क्षेत्रमे देखल गेल कानूनी जटिलता हटेबाक लेल प्रस्तावित विधेयकके मस्यौदापर निजी क्षेत्रक प्रतिनिधि तथा सरोकारवालासँ बातचित केलक अइछ।
प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालय ‘लगानी तथा पूर्वाधारसम्बन्धी केही नेपाल ऐन’ संशोधन करबाक विधेयकके मस्यौदापर सरोकारवालासभसँ बातचित कएल गेल अइछ।
सिंहदरबारस्थित कार्यालयमे आयोजित बातचितमे प्रधानमन्त्रीक राजनीतिक सलाहकार असिम शाह, कानून सचिव पुष्कर सापकोटा, प्रधानमन्त्रीक नीति, प्रशासन तथा सुशासन सलाहकार सुदीप ढकाल, सांसद तथा नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघ, नेपाल उद्योग परिसंघ, नेपाल चेम्बर अफ कमर्स आ होटल एसोसिएसन अफ नेपाललगायत निजी क्षेत्रक प्रतिनिधिसभ सहभागी छल।
बातचितमे कानून सचिव सापकोटा संशोधन लेल चिन्हित ५९ टा ऐनके ४७४ बुँदापर प्रस्तुति देने छल। ओहि अवसरमे सहभागी सरोकारवाला क्षेत्रअनुसार कानून संशोधन लेल मौखिक सुझाव देने सचिव सापकोटा जानकारी देलैन। बातचितमे सहभागीसभ अतिरिक्त सुझाव लिखित रूपमे सेहो देत से हुनकर कहब छल।
सहभागीसभसँ प्राप्त सुझावक आधारपर आवश्यक कानून संशोधन लेल सम्बन्धित मन्त्रालयमे पठाएल जाएत। अगिला अगहन २३ आ २४ गते आयोजित होएबला सार्वजनिक–निजी साझेदारीक नेपाल पूर्वाधार सम्मेलनक पूर्वसन्ध्यामे ई बातचित आयोजित कएल गेल अइछ।((रासस)
–––















