चितवन, २० कातिक : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) क सभापति रवि लामिछाने पार्टीक नेता तथा कार्यकर्ताकेँ जनताक अपेक्षाअनुसार उच्च राजनीतिक चरित्र प्रदर्शन करबाक निर्देशन देलैन अइछ।
रास्वपा चितवनद्वारा आइ आयोजित विशेष सम्बोधन कार्यक्रममे ओ कहलैन जे पार्टी सरकारक नेतृत्वमे पहुँचलाक बाद नेता तथा कार्यकर्ताक व्यवहार आ गतिविधि आओरो जिमेवार होबाक चाही।
पार्टीक नेता तथा कार्यकर्ताक व्यवहार आ गतिविधिकेँ समाज मूल्याङ्कन करैत छै, ई उल्लेख करैत ओ कहलैन जे आलोचना केनिहार समाजपर आक्रामक होएब राजनीतिक चरित्र नै छियै। समाजद्वारा देखाएल कमजोरी स्वीकार क सुधार करबाक चाही से हुनकर कहब छल।
“ऐनामे अपन चेहरा देखलाक बाद ऐना देखौनिहारपर झपटब राजनीतिक चरित्र नै छियै,” ओ कहलैन। जनता पार्टीकेँ १८२ सीटसहित सरकारक नेतृत्व करबाक अवसर देने छै, एकरा अहङ्कारके विषय नै बनाएल जाए। पार्टीभितर उपरसँ निचलाधैर देखल गेल कमजोरी सुधारबाक लेल निर्देशन दैत ओ बदला लेबाक भावनासँ काज नै करबाक आग्रह केलैन।
जनताद्वारा देल गेल जनमतकेँ जनतेके अपमान होएबला ढङ्गसँ प्रयोग नै करबाक चेतावनी दैत ओ कहलैन जे पार्टी बड्का भेल छै से बुइझ क प्रहरी, प्रमुख जिला अधिकारीलगायत राज्यक निकाय अपन नियन्त्रणमे छै से अहङ्कार छोड़बाक चाही। ओ पार्टीभितर एकता कायम राखबाक आग्रह सेहो केलैन।
सभापति लामिछाने अदालत, प्रहरी, प्रेसलगायत सार्वजनिक संस्थाक विषयमे अनावश्यक टिप्पणी नै करबाक आग्रह केलैन। सार्वजनिक संस्थाकेँ कमजोर बनलापर देश आ लोकतन्त्र दुनू कमजोर होबाक हुनकर कहब छलैन। (रासस)
–––















