काठमाण्डू, २० कातिक : एसीसी उन्नैस वर्षसँ कम उमेरक एसिया कप क्रिकेट प्रतियोगितामे नेपाल भारतसँ पराजित भेल अइछ। ओमानके अल अमेरात क्रिकेट मैदानमे आइ भेल खेलमे नेपाल भारतसँ १० विकेटसँ हारल अइछ।
नेपालद्वारा जीत लेल देल गेल १२९ रनक लक्ष्य भारत बिना कोनो विकेटके क्षतिमे १९.१ ओभरमे पूरा कएने अइछ। भारतके जीतमे आर्यभिर सेवाङ सर्वाधिक ७० रनक योगदान देलैन। ओ ५२ बलमे ७ चौका आ ४ छक्काक मदतसँ ७० रन बनौलैन। तहिना लक्ष्य रैचदनी ६३ बलमे ७ चौकाक मदतसँ ५३ रन बनौलैन।
नेपाल ४२.३ ओभरमे सब विकेटके क्षतिमे १२८ रन बनौने छल। नेपालक लेल दर्श सोनार सर्वाधिक ४३ रन बनौलैन। ओ ९३ बलमे १ चौका आ १ छक्का लगौलैन। तहिना आशिष लुहार ४५ बलमे २९ रन आ नीरज कुमार यादव ४८ बलमे २० रन बनौलैन। एकर अतिरिक्त अन्य खेलाड़ीसभ दु अंकमे सेहो रन नै बना सकल।
बलिङ दिस भारतके इशान सूद ३ विकेट, अर्जुन राजपुत ३ विकेट, शवीर गौड २ विकेट तथा मनाल चौहान आ काव्या परेश पटेल समान १–१ विकेट लेलैन।
उक्त प्रतियोगितामे नेपाल समूह ‘ए’मे अइछ। आब नेपाल अइ कातिक २२ गते संयुक्त अरब इमिरेट्स (यूएई)सँ खेलत।(रासस)















