भद्रपुर (झापा), २० कातिकः सहज रूपमे प्रयोग आ बोलचालके भाषामे सरकारी सेवा मिलत तँ सेवाग्राही कतेक सहज महसूस करत ? झापाके शिवसताक्षी नगरपालिका–५ राजवंशी आ मैथिली भाषाकेँ वाड कार्यालयक कामकाजमे प्रयोग करबाक घोषणा सङे उक्त समुदायक लेल अपनत्वके वातावरण तैयार भ रहल अइछ ।
“नागरिक अपने मातृभाषामे सरकारी सेवा ल सकत से हमरासभके उद्देश्य छी,” वाडध्यक्ष सिकिन पासवान कहलैन, “अपन भाषा बोलब आ बुझैएमे सहज होइछै तँए नागरिककेँ सेवा लेबामे सेहो आसानी हएत।”
वाडध्यक्ष पासवान वाड परिसरमे आयोजित कार्यक्रममे राजवंशी आ मैथिली भाषाकेँ वाड कार्यालयक कामकाजमे प्रयोग करबाक औपचारिक घोषणा कएने अइछ। ताहिसङे आब वाड कार्यालयमे निवेदन, सिफारिसलगायतके काममे नेपाली भाषासङे मैथिली तथा राजवंशी भाषा प्रयोग क सकबाक वाडध्यक्ष पासवान जानकारी देलैन ।
कोशी प्रदेशसभासँ ‘सरकारी कामकाजके भाषासम्बन्धी विधेयक, २०८३’ आसिन २४ गते सर्वसम्मत रूपमे पारित भेलाक बाद नेपाली भाषाबाहेक १३ टा भाषा सरकारी कामकाजी भाषाक रूपमे मान्यता मिलल अइछ । प्रदेश सरकारक निर्णयकेँ स्थानीयस्तरमे कार्यान्वयन करबाक उद्देश्यसँ उक्त पहल केलक अइछ ।
वाडध्यक्ष पासवान भाषा सञ्चारके माध्यम मात्रे नै समुदायके पहिचान, इतिहास आ संस्कृतिसँ जुड़ल महत्वपूर्ण सम्पत्ति भेल उल्लेख केलैन । सरकारी कामकाजमे मातृभाषाके प्रयोग स्थानीय भाषाके संरक्षण आ प्रवर्द्धनमे सेहो सहयोग पहुँचबाक हुनक विश्वास अइछ ।
आदिवासी जनजाति आयोगके पूर्वसदस्यसचिव कमल राजवंशी स्थानीय भाषाकेँ सरकारी कामकाजमे प्रयोग करबाक निर्णय ऐतिहासिक भेल बतौलैन ।
राजवंशी, ताजपुरिया, कनाई, धिमाल, कोचे, मेचेलगायत समुदायक भाषा आ मौलिक पहिचान छाहमे पड़ल कहत ओ देरी भेलोपर प्रदेश सरकार स्थानीय भाषाकेँ सरकारी कामकाजी भाषा बनेलापर खुशी व्यक्त केलैन । (रासस)















