महोत्तरी, २० कातिक : नेपालीसभक दोसर प्रमुख पावैन दियावाती आइसँ शुरू भ रहल अइछ। प्राचीन मिथिला क्षेत्रमे दियावातीके पहिल दिन साँझ दीपमालिका करैत धनतेरस मनेबाक परम्परा अइछ। चन्द्रमासके कार्तिक कृष्णपक्षक त्रयोदशी तिथिसँ कार्तिक शुक्लपक्षक द्वितीयाधैर पाँच दिन मनाएल जाएबला ई पावैन अइ बेर तिथिके घटबढ़के कारण छ दिनक भेल अइछ।
मिथिला परम्परामे कार्तिक कृष्णपक्षक त्रयोदशी तिथिक साँझमे धातुक नवका भाँड़ाकुड़ी वा गहना कीन क पूजा करैत दीपमालिका सजेबाक चलन अइछ। आइ सूर्योदयक समय द्वादशी तिथि रहलोपर मध्याह्नसँ पहिने त्रयोदशी शुरू भेलाक कारण धनतेरस मनाएल जेबाक कर्मकाण्डके जानकार महेश कुमार झा जानकारी देलैन।
मिथिला क्षेत्रमे दिन, नक्षत्र, तिथि निर्धारण, परपावैन, तिथिश्राद्ध तथा शुभकार्य मिथिला पञ्चाङ्ग आ विद्यापति पञ्चाङ्गक आधारपर करबाक चलन अइछ।
मिथिला क्षेत्रमे बोलीचालीमे दियावाती कहल जाएबला दीपावली पावैनके पहिल दिन धन–धान्यक देवी लक्ष्मीकेँ प्रसन्न करबाक लेल धातुक गहना आ भाँड़ावर्तन कीन क घरमे लक्ष्मी स्थापना करैत धनतेरस मनाएल जाइत अइछ। घर–घर दीपमालिका सजाक पावैन शुरू कएल जाइत अइछ।
पण्डित झा पञ्चाङ्गकेँ उद्धृत करैत स्पष्ट केलैन जे आइ भोरे ११ बाइज क १० मिनेटके बाद त्रयोदशी तिथि शुरू भ काइल शैनदिन भोरे १० बाइज क ४७ मिनेटधैर रहत। रासस
—-















