नारायणगढ (चितवन), २० कातिक : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) क सभापति रवि लामिछाने पार्टी आ सरकारक बीच कोनो प्रकारके समन्वयक अभाव नै रहल बतौलैन अइछ।


बृहस्पैतदिन राइतमे सञ्चारकर्मीसँ बातचीत करैत सभापति लामिछाने कहलैन जे पार्टी सरकारकेँ स्वतन्त्र रूपमे काज करए देबाक नीति लेने अइछ। पार्टी आ सरकारक काम–कारबाहीमे आवश्यकतानुसार बातचित, सुझाव आ स्पष्टता मङ्गबाक अभ्यासकेँ असमझदारीक रूपमे नै बुझबाक चाही से हुनकर कहब छल।


सभापति लामिछाने कहलैन, “समन्वयमे कोनो कमी नै छै। केवल एकटा बात छै जे सरकारकेँ स्वतन्त्र रूपमे नीकसँ काज करए देबाक चाही, पार्टीक धारणा ई अइछ।”


सभापति लामिछाने स्पष्ट केलैन जे विगतमे सरकार टिकाबय आ पार्टीभितर एकता कायम राखबाक लेल प्रधानमन्त्रीक सङ दोसर व्यक्तिकेँ राइख काज करबाक अभ्यास पार्टी नै क सलक। पार्टी आ सरकार अपन–अपन जिमेवारीअनुसार काज करत, से हुनकर कहब छल।


“हमसभ राजनीतिमे अइ अभ्यासक पक्षमे नै छी—सरकारकेँ टिकौने रहबाक वा पार्टीमे एकता कायम राखबाक लेल प्रधानमन्त्रीक कातमे दोसर व्यक्तिके लेल कुर्सी राखबाक काज हमसभ नै करैत छी,” सभापति लामिछाने कहलैन।


सरकारक निर्णयपर प्रश्न उठलापर पार्टी स्पष्टता मांगब स्वाभाविक छै, ई उल्लेख करैत ओ कहलैन जे पार्टीकेँ सरकारकसभ निर्णयमे आँइख मूइनके समर्थन करबाक आवश्यकता नै छै। सरकारद्वारा लेल गेल निर्णयक औचित्य पुष्टि करबाक जिमेवारी सरकारक होइत छै। प्रहरी महानिरीक्षक (आईजीपी) क जिमेवारीमे परिवर्तनलगायत विषयपर पार्टी सरकारसँ स्पष्टता मङ्गल प्रसङ्गमे सभापति लामिछाने कहलैन जे सुरक्षा निकायसँ सम्बन्धित निर्णय संवेदनशील होइत अइछ, तेँ समय आएलापर सरकार ओकर औचित्य पुष्टि करत।


“सरकार काज करबाक लेल कोनो आवश्यक कदम उठौलापर ओकर औचित्य पुष्टि करबाक जिमेवारी सरकारक होइत छै,” ओ कहलैन।


सरकारक काम–कारबाहीमे सुधारक आवश्यकता देखलापर पार्टी खबरदारी करत, ई उल्लेख करैत सभापति लामिछाने आग्रह केलैन जे एकरा सरकार आ पार्टीबीचक विवादक रूपमे नै बुझल जाए। लोकतन्त्रके मूल्य आ मान्यताप्रति पार्टी स्पष्ट छै, आवश्यक पड़लापर सरकारकेँ सही बाटपर अनबाक लेल पार्टी भूमिका निर्वाह करबाक ओ बतौलैन।


राज्यक निकायसभकेँ संविधान आ कानूनद्वारा देल गेल अधिकार सही ढङ्गसँ प्रयोग करए देबाक चाही । प्रहरी प्रशासन, अदालत, प्रेस काउन्सिल तथा मानव अधिकार आयोग जका संस्थाकेँ मजबूत बनेबाक चाही। कोनो निकायसँ गलत काज भेलापर ओकर सुधार लेल संस्थागत व्यवस्था रहल ओ उल्लेख केलैन।


सरकार आ पार्टीक सम्बन्धक विषयमे सञ्चारकर्मीसभक जिज्ञासाक उत्तर दैत सभापति लामिछाने कहलैन जे पार्टी सरकारकेँ काज करए देब आ आवश्यकतानुसार सुझाव तथा खबरदारी करबाक अभ्यासकेँ सकारात्मक रूपमे लेबाक चाही।

(रासस)