काठमाण्डू, २० कातिक : कार्तिक कृष्ण त्रयोदशीक दिन मनाएल जाएबला धनतेरस पावैनक अवसरमे आइ लोकसभ सोना, चानी, ताम लगायत नवका भाँड़ावर्तन कीन क घरमे राइख रहल छैथ। अइ तरहेँ आनल गेल भाँड़ावर्तनमे कार्तिक कृष्ण अमावश्याक दिन लक्ष्मी पूजा करबाक परम्परा अइछ।
एहि तरहेँ पूजा–आराधना कएलापर लक्ष्मी स्थायी रूपमे घरमे निवास करबाक वैदिक सनातन हिन्दू धार्मिक विश्वास अइछ। भाँड़ावर्तन तथा गहनाक दोकानमे आइ भीड़ लागल अइछ।
आजुक दिनकेँ धन त्रयोदशी, भाण्ड त्रयोदशी आदि नामसँ सेहो चिन्हल जाइत छै। आइ नवका भाँड़ावर्तन किनलापर लक्ष्मी सदिखन घरमे निवास करबाक धार्मिक विश्वास अइछ। अइ विश्वासक आधारपर भाँड़ावर्तन दोकानमे भोरेसँ ग्राहकके भीड़ लागल अइछ। दोकानसभमे एक सप्ताह पहिनेसँ ताम, पीतललगायत धातुके वर्तनसभ आकर्षक ढङ्गसँ सजाक राखल गेल अइछ।
यमपञ्चकके पहिल दिन आइ साँझसँ यमराजकेँ प्रसन्न करबाक लेल घरक परिवारके सङ्ख्याअनुसार यमदीप दान शुरू कएल जा रहल अइछ। अइ तरहेँ दीपदान कएलापर यम यातनासँ मुक्ति भेटबाक धर्मशास्त्रक विद्वान् प्रा. तोयराज नेपाल राससकेँ जानकारी देलैन। शास्त्रीय तथा पौराणिक मान्यताअनुसार आइ धनके अधिपति कुबेरक जन्मदिन सेहो अइछ, तेँ विशेष पूजा–आराधना कएल जाइत अइछ। किछु लोक आइ कुबेरक पूजा करैत छैथ तँ किछु लोक लक्ष्मी पूजाके दिन कुबेरक पूजा करैत छैथ।
दीपावली, दियावाती, यमपञ्चक आदि नामसँ चिन्हल जाएबला ई पावैन नेपालीसभक दशमीक बादक दोसर प्रमूख पावैन अइछ। आइसँ विधिवत् रूपमे कार्तिक शुक्ल द्वितीयाधैर घर तथा व्यापारिक प्रतिष्ठानलगायत स्थानमे बौल बाइर क दीपावली मनाएल जाएत। यमपञ्चक आइसँ शुरू भेलाक बादो दियावाती शैनदिन पड़ल नेपाल पञ्चाङ्ग निर्णायक विकास समिति जनौलक। (रासस)















