काठमाण्डू, १९ कातिक :  प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाहसँ भारतीय विदेश सचिव विक्रम मिश्री शिष्टाचार भेट करए लागल छैथ ।


प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालयमे अखन किछ देरबाद हुनकासभ बीच हुअबला भेटमे दू पक्षीय हितक विविध विषयमे परामर्श होबाक परराष्ट्र मन्त्रालय जनौलक अइछ ।


नेपालक दू दिनक औपचारिक भ्रमणमे रहल ओ बुधदिन काठमाण्डू आएल छलैन । विदेश सचिव मिश्री बुधदिन परराष्ट्र सचिव अमृत बहादुर राईसँ प्रतिनिधिमण्डलस्तरीय दू पक्षीय बैसार कएने छलैन ।


भ्रमणके क्रममे विदेश सचिव मिश्री बुधदिन अर्थमन्त्री डा स्वर्णीम वाग्ले, परराष्ट्रमन्त्री शिशिर खनाल, ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ मन्त्री विराजभक्त श्रेष्ठ आ पूर्वाधारमन्त्री सुनिल लम्सालसँ अलग अलग शिष्टाचार भेटवार्ता कएने छलैन ।


विदेश सचिव मिश्रीके भ्रमण सम्पन्न क आइए काठमाण्डूसँ नयाँ दिल्ली प्रस्थान घुरबाक कार्यक्रम छैन । (रासस)