जनकपुर, १९ कातिक : जनकपुरधाम रेल्वे सेवाके प्रभावकारी सञ्चालन तथा व्यवस्थापन क यात्रीमैत्री बनेबाक माँग करैत जनसरोकार अभियान नेपाल रेल्वे कम्पनीकेँ माँगपत्र बुझौलक अइछ ।
अभियानक अध्यक्ष जितेन्द्र महतो नेतृत्वक टोली जनकपुरधामक धार्मिक, ऐतिहासिक तथा सांस्कृतिक महत्वकेँ दृष्टिगत करैत रेल सेवाकेँ थप व्यवस्थित, सुरक्षित आ सुविधासम्पन्न बनेबाक लेल आग्रह केलक अइछ ।
अभियान रेल यात्रीके सहज आवागमन, रेल्वे प्लेटफर्मके नियमित सरसफाइ, व्यवस्थित प्रतीक्षालय, शौचालय तथा पिबैबला पाइनके उचित प्रबन्ध करबाक माँग सेहो केलक अइछ ।
रेल्वे स्टेसनमे रहल भौतिक संरचनाके मर्मतसम्भार, विद्युतीय उपकरणके नियमित सञ्चालन, खाली जग्गाकेँ पार्क तथा बागबानीके रूपमे विकास, हाट बजारके व्यवस्थित सञ्चालन तथा सड़क आ तारबारके उचित व्यवस्थापन करबाक लेल अनुरोध कएल गेल अइछ ।
रेल्वे क्रसिङमे हुअबला दुर्घटना न्यूनीकरणके लेल आवश्यक सुरक्षा व्यवस्था मिलाबए आ मालवाहक ढुवानी सेवा सञ्चालन करबाक लेल अभियान ध्यानाकर्षण करौलक अइछ । रेल्वे सेवा स्तरोन्नति क वि.सं. २०७८ चैत १९ गतेसँ पुनः सञ्चालनमे आएल अइछ । (रासस)















