काठमाण्डू, १८ कातिक : नेपाल टेलिकम अपन खरिद प्रक्रियासम्बन्धी किछु सञ्चारमाध्यममे प्रकाशित तथा प्रसारित समाचार भ्रमपूर्ण आ अपुष्ट रहल कहैत एहन समाचार नै सम्प्रेषण करबाक आग्रह केलक अइछ।
कम्पनी आइ जारी कएल प्रेस विज्ञप्तिमार्फत पछिला समय विभिन्न सञ्चारमाध्यममे कम्पनीक खरिद प्रक्रियासम्बन्धी भ्रमपूर्ण तथा अपुष्ट समाचार प्रकाशित तथा प्रसारित भ रहलप्रति गम्भीर ध्यानाकर्षण भेल जनौलक अइछ।
नेपाल टेलिकम कम्पनी ऐन, २०६३ अनुसार स्थापित आ दूरसञ्चार ऐन, २०५३ बमोजिम अनुमतिपत्र प्राप्त क देशभैर गुणवत्तापूर्ण दूरसञ्चार सेवा दैत आएल संस्था अइछ। कम्पनी अपन ऐतिहासिक पृष्ठभूमि, स्थापित प्रतिष्ठा, जनविश्वास तथा आम ग्राहकक भरोसाकेँ सम्पत्तिक रूपमे रहल जनौने अइछ।
कम्पनीअनुसार ओ प्रचलित ऐन, कानून तथा पछिला समय विकसित सुशासनक मूल्य–मान्यताअनुसार काज करैत आएल अइछ। सस्ता आ भरोसगर दूरसञ्चार सेवासभ नागरिककेँ सहज रूपमे उपलब्ध कराएब तथा देशक आर्थिक आ सामाजिक विकासमे महत्वपूर्ण योगदान देबाक कम्पनीक उद्देश्य अइछ।
शहरीसँ देशक अति दुर्गम स्थानधैर दूरसञ्चार सेवा विस्तार करैत आएल टेलिकम नवका प्रविधि अपनाएब, गुणस्तरिय सेवा उपलब्ध करेबाक , नेपाल सरकारक नीतिगत लक्ष्य प्राप्त करब आ कम्पनीक व्यावसायिकताकेँ ध्यानमे राइख विभिन्न काज करैत आएल जनौलक अइछ।
खरिद प्रक्रियाक सम्बन्धमे कम्पनीक आर्थिक विनियमावली, दूरसञ्चार उपकरण तथा सेवा खरिदसम्बन्धी कार्यविधि, सार्वजनिक खरिद ऐन तथा सार्वजनिक खरिद अनुगमन कार्यालयद्वारा जारी स्ट्याण्डर्ड बिड डकुमेन्टक आधारपर आवश्यक खरिद प्रक्रिया अपनाएल जेबाक कम्पनी स्पष्ट केलक अइछ।
कम्पनीक खरिद प्रक्रिया लगायत विषयपर समाचार प्रकाशित वा प्रसारित करबासँ पहिने आवश्यक आधिकारिक विवरण कम्पनीक प्रवक्ता, सूचना अधिकारी, सहप्रवक्ता तथा सूचना तथा प्रकाशन शाखासँ सहज रूपमे प्राप्त कएल जा सकबाक विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ।
तेँ भ्रमपूर्ण समाचार सम्प्रेषण नै करबाक लेल नेपाल टेलिकम सञ्चारमाध्यमसभसँ आग्रह केलक अइछ।
कम्पनीक प्रवक्ता डा. कमल लामिछानेद्वारा जारी विज्ञप्तिमे आधिकारिक सूचना तथा विवरण लेल सम्बन्धित निकायसँ सम्पर्क करबाक आग्रह सेहो कएल गेल अइछ। (रासस)
–––















