‘
काठमाण्डू, १८ कातिक : गृहमन्त्री सुधन गुरुङ प्रहरी आ नागरिक बीचके दूरी समाप्त करबाक लेल नवनियुक्त महानिरीक्षक डा. मनोज केसीकेँ निर्देशन देलैन अइछ।
गृह मन्त्रालयमे आइ डा. केसीकेँ महानिरीक्षकक दर्जानी चिह्न प्रदान कएलाक बाद गृहमन्त्री प्रहरी सङ्गठनकेँ नागरिकमैत्री व्यवहार करबाक निर्देशन देलैन। “शान्ति–सुरक्षा, अपराध नियन्त्रण, विपद व्यवस्थापन आ नागरिक सेवाक क्षेत्रमे प्रभावकारी रूपमे काज करू,” गृहमन्त्री गुरुङ कहलैन।
‘फिल्ड’मे खटिनिहार प्रहरी जवानके मनोबल उच्च राखबाक निर्देशन दैत ओ कहलैन, “प्रहरीकेँ आवश्यक स्रोतसाधन देबाक लेल सरकार तैयार अइछ। कोनो काजमे कठिनाइ वा समस्या भेलापर ओकर समाधान करबाक लेल गृह मन्त्रालय तत्पर अइछ।” रासस















