काठमाण्डू, १८ कातिकः नेपाल आयल निगम अपन सब कारोबारकेँ एकेटा एकीकृत डिजिटल प्रणालीमे आबद्ध करबाक उद्देश्यसँ सञ्चालन कएल इन्टरप्राइज रिसोर्स प्लानिङ (इआरपी) परियोजना अन्तिम चरणमे पहुँचल अइछ ।
परियोजनाक प्रमुख प्रदीप कुमार यादवअनुसार करिब २२ करोड़ ८७ लाख टकाके ई परियोजनाके पहिल चरण कार्यान्वयनमे आएल सङे निगमके पेट्रोलियम पदार्थके खरिद, बिक्री, वितरण, भण्डारण, वित्त, लेखा तथा कर्मचारी व्यवस्थापनलगायतके काज डिजिटल प्रणालीसँ सञ्चालनके तैयार कएने अइछ ।
उक्त परियोजनाके परामर्शदाता काठमाण्डू विश्वविद्यालयक युनिभर्सिटी कन्सल्ट इएह कातिक १७ गते प्रतिवेदन देलाक बाद निगम परियोजना समापन तथा हस्तान्तरणके प्रक्रिया आगु बढ़ाैलक अइछ ।
इआरपी प्रणाली कार्यान्वयनसङे निगमके देशभैरके एक हजार ५००सँ बेसी डिलर, ६० बोटलर तथा एयरलाइन्स आ तकर एजेन्ट निगमके डिपोमे भौतिक रूपमे उपस्थित नै भ क अनलाइनेसँ पेट्रोलियम पदार्थके माँग प्रविष्ट करब, डिजिटल भुक्तानी करबाक तथा अपन कारोबारके विवरण देखबाक सुविधा रहल पत्रकार सम्मेलनमे प्रमुख यादव जानकारी देलैन ।
अइसँ पहिने निगमके अधिकांश कारोबार कागजी प्रक्रिया आ भौतिक उपस्थितिमे आधारित छल । नयाँ प्रणाली उक्त प्रक्रियाकेँ एकीकृत डिजिटल प्रणालीमे रूपान्तरण केलक अइछ । वार्षिक करिब तीन खर्ब टकाके कारोबार होएबला निगमके लेल ई प्रणालीकेँ व्यवस्थापन, पारदर्शिता आ कार्यक्षमताके दृष्टि महत्वपूर्ण उपलब्धिक रूपमे देखल गेल अइछ ।
सब विभागके कारोबार एकेटा प्रणालीमे
इआरपी प्रणाली निगमके बिक्री, वितरण, वित्त, लेखा, खरिद, भण्डारण, सम्पत्ति व्यवस्थापन तथा मानव संसाधनसम्बन्धी कामकेँ एकेटा सफ्टवेयरमे जोडने अइछ । एकटा विभाग प्रविष्ट कएल तथ्याङ्क दोसर विभाग तत्काल प्राप्त करत ताहिसँ दू तर्फी काजके अन्त्य, तथ्याङ्कके शुद्धतामे वृद्धि आ निर्णय प्रक्रियामे सहयोग पहुँचबाक अपेक्षा अइछ ।(रासस)















