वीरगञ्ज (पर्सा), १८  कातिक : प्रहरी सात लाख टका बराबरके पट्टका, अतिशबाजी तथा ‘वेटक’ पदार्थ नष्ट केलक अइछ ।


आइ जिला प्रहरी कार्यालय तथा मातहतसँ खटल विभिन्न चेकिङ टोली विभिन्न मिति आ समयमे विभिन्न स्थानसँ नियन्त्रणमे लेने सात लाख टका बराबरके अवैध रूपमे आनल गेल पट्टका, अतिशबाजी तथा अन्य विष्फोटक पदार्थकेँ नष्ट कएल गेल प्रहरी नायब उपरीक्षक चक्र बहादुर मल्ल जानकारी देलैन ।

 

प्रहरी जिला प्रहरी कार्यालय परिसरमे सञ्चारकर्मी लगायतके उपस्थितिमे खदहामे पाइन राइख उक्त सामान नष्ट केलक अइछ ।( रासस) 

–––