काठमाण्डू, १८ कातिक : सातटा समस्याग्रस्त सहकारी एक सओ २२ गोटे बचतकर्ताके बचत रकम फिर्ता केलक अइछ ।
समस्याग्रस्त सहकारी व्यवस्थापन समिति अनुसार नेपाल सहकारी वित्तिय सहकारी, आइडियल यमुना हाम्रो बहुउद्देश्यीय सहकारी आ शिवशिखर सहकारी २३ गोटेके पूर्ण बचत फिर्ता कएने अइछ ।
तहिना, कान्तिपुर सहकारी, गौतमश्री बहुउद्देश्यीय सहकारी, कृषि विकास बहुउद्देश्यीय सहकारी आ श्री लालीगुराँस बहुउद्देश्यीय सहकारी ९९ गोटेके बचतकर्ताके आंशिक बचत रकम फिर्ता कएने अइछ ।
भूमि व्यवस्था, सहकारी, सङ्घीय मामिला तथा सामान्य प्रशासनमन्त्री प्रतिभा रावलके सचिवालयअनुसार सरकार समस्याग्रस्त सहकारीके ऋण असुलीसँ प्राप्त भेल रकम पीड़ित बचतकर्ताकेँ फिर्ता कएल गेल स्पष्ट केलक अइछ ।
पहिल चरणमे कम बचत रकम भेल बचतकर्ताकेँ रकम फिर्ता कएल गेल समिति जनौलक अइछ । आबैबला दिनमे सेहो बचतकर्ताके रकमके आधारमे वर्गीकरण क रकम फिर्ता करबाक जानकारी देल गेल अइछ ।
समस्याग्रस्त सहकारी संस्थासभसँ ऋण असुली आ सम्पत्ति व्यवस्थापनसँ प्राप्त रकमसँ सम्बन्धित सहकारीके बचतकर्ताकेँ बचत फिर्ता करबाक काज प्रचलित कानुनी व्यवस्थाबमोजिम निरन्तर रुपमे सञ्चालन भ रहल अइछ । (रासस)
–––















