काठमाण्डू, १८ कातिक : सरकार नेपाल प्रहरीके महानिरीक्षक पदमे डा. मनोज कुमार केसीकेँ नियुक्त करबाक निर्णय केलक अइछ ।
आइ बैसल मन्त्रिपरिषद बैसारसँ नेपाल प्रहरीके प्रहरी अतिरिक्त महानिरीक्षक डा. केसीकेँ प्रहरी नियमावली, २०७१ के नियम ४१ बमोजिम इएह कातिक १८ गतेसँ लागू हुअजका महानिरीक्षक पदमे बढुवा करबाक निर्णय कएने सरकारक प्रवक्ता एवं शिक्षा तथा खेलकुदमन्त्री सस्मित पोखरेल जानकारी देलैन ।
मन्त्री पोखरेलके कहब अनुसार बैसारसँ वर्तमान परिस्थितिमे देशक शान्ति सुरक्षाके व्यवस्था सुदृढ़ करबाक लेल प्रधानमन्त्रीकेँ सुरक्षासम्बन्धी आवश्यक सल्लाह, सुझाव आ परामर्श देबाक लेल नेपाल प्रहरीके प्रहरी महानिरीक्षकस्तरके प्रधानमन्त्रीके विशेष सुरक्षा सल्लाहकार पद प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालयमे सिर्जना करबाक निर्णय कएल गेल अइछ । तहिना, उक्त पदमे नेपाल प्रहरीके प्रहरी महानिरीक्षक दान बहादुर कार्कीकेँ खटेबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।(रासस)
–––















