कर्णाली, १८ कातिक : नेपालक लेल इजरायली राजदूत स्मुलिक अरियल बास इजरायल सरकार नेपालक हितमे काज करैत आएल बतौलैन अइछ ।
आइ सुर्खेतमे स्थानीय पत्रकारसभसँ बातचित करैत राजदूत बास नेपाल आ इजरायल बीच आठ दशक लम्बा ऐतिहासिक तथा कुटनीतिक सम्बन्ध रहल चर्चा केलैन ।
इजरायल सरकार नेपालक कृषि, रोजगारी, अध्ययन आ व्यापारक क्षेत्रमे सहयोग करैत आएल ओ बतौलैन ।
सम्पूर्ण कर्णाली प्रदेश प्रकृतिके अनुपम उपहार भेलासँ इजरायल सरकार कर्णाली प्रदेशक विकासक लेल सकारात्मक रहल राजदूत बास प्रतिक्रिया देलैन ।
नेपाल आ इजरायल बीचक कूटनीतिक सम्बन्धसँ दूनु देशक नागरिकमे सहयोग आ सद्भाव बढ़नाइ सकारात्मक विषय भेल कहैत दूनु देशक समृद्धि आ दीर्घकालीन सम्बन्ध कायम होबाकमे पत्रकारिता क्षेत्रक महत्त्वपूर्ण भूमिका रहल राजदूत बास धारणा व्यक्त केलैन । (रासस)















