काठमाण्डू, १८ कातिक : परराष्ट्रमन्त्री शिशिर खनालसँ भारतीय विदेश सचिव विक्रम मिश्री शिष्टाचार भेट केलैन अइछ ।


परराष्ट्र मन्त्रालयमे आइ भेल भेटवार्तामे मन्त्री खनाल नेपाल–भारत बीचक घनिष्ठ सम्बन्ध थप उँच होबाक विश्वास व्यक्त कएने मन्त्रालय जनौलक अइछ ।


ओइ अवसरमे हुनकासभ बीच नेपाल आ भारत बीचक बहुआयामिक साझेदारीकेँ थप सुदृढ़ बनेबाक तथा दू देश बीच रहल ऐतिहासिक मित्रतापूर्ण सम्बन्धकेँ आओर प्रगाढ़ बनेबाक विषयमे परामर्श भेल छल ।


परराष्ट्रमन्त्री खनाल आ विदेश सचिव मिश्री बीच दू देश बीचक सम्बन्ध आ सहकार्यसहित ऊर्जा, उड्डयन, व्यापार, खेलकुद आ शिक्षालगायतक विविध विषयमे परामर्श कएने मन्त्रालय जनौलक अइछ । ( रासस)