काठमाण्डू, १८ कातिक : नेपाल राष्ट्र बैंक मुद्रा व्यवस्थापन विभाग टक्सार महाशाखा दीपावलीकेँ लक्षित करैत इएह वृहस्पैतदिन आ शुक्रदिन सोनाके असर्फी तथा चाँदीके मेडालियन (सिक्का) बिक्री करए लागल अइछ ।
राष्ट्र बैंक आइ सार्वजनिक सूचना जारी क इएह वृहस्पैतदिन आ शुक्रदिन बैंकके टक्सार महाशाखा बबरमहलसँ सोनाके असर्फी तथा चाँदीके सिक्का बिक्री वितरण करए लागल जनौलक अइछ ।
राष्ट्र बैंक प्रतिव्यक्ति २.५ ग्रामके सोनाके असर्फी एकटा तथा १० ग्रामके चाँदीके सिक्का (लक्ष्मी आ गणेश अङ्कित) एक/एकटाके हिसाबसँ बेसीमे दूटा प्राप्त क सकबाक जनौलक अइछ । सेवाग्रही राष्ट्र बैंकके टक्सार शाखासँ भोर ११ः०० बजेसँ दुपहर ३ः०० बजेधैर असर्फी आ सिक्का ल सकत ।
असर्फी तथा सिक्का खरिदक लेल नेपाली नागरिकता वा राष्ट्रिय परिचयपत्र वा उक्त कागजातके नम्बर उल्लेख भेल अन्य कोनो प्रमाणपत्रके प्रतिलिपिसहित स्वयं उपस्थित होबाक लेल राष्ट्र बैंक कहने अइछ ।
असर्फी तथा सिक्का खरिदके लेल नगद वा क्यूआरमार्फत भुक्तानी क सकबाक सूचनामे उल्लेख कएल गेल अइछ । असर्फी तथा सिक्काके दाम दैनिक रूपमे भोरके करिब ११ः०० बजेके बाद निर्धारण होबाक कारण दाम निर्धारणक बाद मात्रे बिक्री होबाक सूचनामार्फत राष्ट्र बैंक जनौलक अइछ ।. (रासस)















