काठमाण्डू, १८ कातिक : राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल सार्वजनिक स्रोतसाधनके सदुपयोग, भ्रष्टाचारप्रति शून्य सहनशीलता, कानुनके शासन आ नैतिक आचरण सुशासनके आधार भेल बतौलैन अइछ ।
दक्षिणकाली नगरपालिकाके नवनिर्मित प्रशासकीय भवनके आइ उद्घाटन करैत राष्ट्रपति पौडेल उक्त धारणा व्यक्त केलैन अइछ ।
ओ कहलैन, “सार्वजनिक स्रोतसाधनके सदुपयोग, भ्रष्टाचारप्रति शून्य सहनशीलता, कानुनके शासन आ नैतिक आचरण सुशासनक आधार छै । सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र आनै लेल नेपाली जनता कएने त्याग आ बलिदानक उद्देश्य सेहो इएह छै ।”
राष्ट्रपति पौडेल तीनू तहके सरकार जनता राखने अपेक्षा पूरा करैदिस गम्भीर होबाक विश्वास व्यक्त केलैन ।
जनप्रतिनिधि तथा राष्ट्रसेवक कर्मचारीकेँ सार्वजनिक पद आ जिमेवारीकेँ व्यक्तिगत सुविधा वा अधिकारक रूपमे नै भ जनताके सेवा करबाक अवसर आ दायित्वके रूपमे लेबाक लेल ओ आग्रह केलैन ।
“प्रशासनिक भवन केवल भौतिक संरचना मात्रे नै भ इ जनताके सेवा प्राप्त करैबला विश्वासके केन्द्र, लोकतान्त्रिक शासनव्यवस्थाके स्थानीय आधारस्तम्भ आ नागरिकके आकांक्षा सम्बोधन करैबला सार्वजनिक संस्थाके प्रतीक सेहो छै”, राष्ट्रपति पौडेल कहलैन ।
भवनसँ प्रवाह हुअबला सेवा जल्दी, पारदर्शी, जवाफदेही आ नागरिकमैत्री बनत से ओ विश्वास व्यक्त केलैन ।
प्रशासनिक भवन आधुनिक बनल जका प्रशासनिक कार्यशैली सेहो आधुनिक, प्रविधिमैत्री, पारदर्शी आ परिणाममुखी भेनाइ आवश्यक रहल हुनक कहब छलैन ।
राष्ट्रपति पौडेल कहलैन, “सूचना प्रविधिके अधिकतम प्रयोग, अभिलेख व्यवस्थापन, डिजिटल सेवा आ शिकायत सुनुवाइ प्रणालीकेँ प्रभावकारी बनौनाइ आजुक आवश्यकता छै । ”
दक्षिणकालीकेँ धार्मिक पर्यटनसहित प्रकृति, संस्कृति आ स्थानीय उत्पादनमे आधारित पर्यटनके आकर्षक गन्तव्यके रूपमे विकास करैबला प्रशस्त सम्भावना भेलासँ ओइदिस ध्यान देबाक लेल सेहो ओ आग्रह केलैन । (रासस)















