काठमाण्डू, १८ कातिक : ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ मन्त्रालय चालु आर्थिक वर्षके पहिल त्रैमासमे नदी नियन्त्रण तथा जल उत्पन्न विपद व्यवस्थापनदिस ३४ दशमलव नौ प्रतिशत भौतिक प्रगति हासिल भेल विवरण सार्वजनिक केलक अइछ ।
नदी तथा जल उत्पन्न विपद व्यवस्थापन महाशाखाअन्तर्गतके कार्यक्रमक लेल चालु आर्थिक वर्षमे पाँच अरब २० करोड़ ९० लाख बजेट विनियोजन कएल गेल छल । पहिल त्रैमासिक अवधिमे ६२ करोड़ ७४ लाख खर्च करबाक लक्ष्य छल । जइमे १४ करोड़ ७० लाख खर्च भेल अइछ । ई त्रैमासिक बजेटके २३ दशमलव चाइर प्रतिशत अइछ ।
महाशाखा प्रमुख रवीन्द्र बहादुर थापाके कहब अनुसार पहिल त्रैमासमे दू दशमलव नौ किलोमिटर तटबन्ध निर्माण तथा एक हेक्टर जग्गा उकास कएल गेल अइछ । ओइ अवधिमे खर्चके तुलनामे भौतिक प्रगति बेसी अइछ ।
किछ आयोजना त्रैमासिक भौतिक लक्ष्यसँ उल्लेखनीय प्रगति हासिल कएने अइछ । सिँचाइ तथा जलस्रोत व्यवस्थापन आयोजना, भरतपुर (चितवन) त्रैमासिक भौतिक लक्ष्यके एक सओ ६० दशमलव आठ प्रतिशत प्रगति कएने महाशाखाके प्रमुख थापा जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार समग्रमे पहिल त्रैमासमे नदी नियन्त्रण तथा जल उत्पन्न विपद व्यवस्थापनदिस ३४ दशमलव नौ प्रतिशत भौतिक प्रगति भेल अइछ ।
तहिना, टार–बजार संरक्षण कार्यक्रम लक्ष्यके एक सओ ८ प्रतिशत प्रगति हासिल कएने अइछ । लमही (दाङ) ८६ दशमलव पाँच प्रतिशत, कञ्चनपुर ८२ दशमलव पाँच प्रतिशत आ जनकपुर (धनुषा) ८२ दशमलव तीन प्रतिशत भौतिक प्रगति कएने महाशाखा जनौलक अइछ ।
नदी नियन्त्रण, तटबन्ध निर्माण तथा जल उत्पन्न विपदसँ जोखिममे रहल बस्ती आ खेतीयोग्य जग्गाके संरक्षणके लेल महाशाखा विभिन्न आयोजना सञ्चालन करैत आएल अइछ ।
(रासस)















