जनकपुर, १८ कातिक : जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाके उपप्रमुख किशोरी साह बालविवाह अन्त्य करबाक लेल कानुनी व्यवस्था सङे समाजक सोच आ व्यवहारमे परिवर्तन आवश्यक रहल बतौलैन अइछ ।
जनकपुरधाममे मङ्गलदिन आयोजित बालविवाह अन्त्यसम्बन्धी सामुदायिक सचेतना तथा पैरवी कार्यक्रममे ओ कुरीति विरुद्ध समुदायस्तरमे सचेतना बढ़ेबाक लेल जोड़ देलैन ।
सड़क नाटकसहित विभिन्न माध्यमसँ बालविवाह विरुद्ध सचेतनामूलक कार्यक्रम सञ्चालन भ रहल उल्लेख करैत ओ अइ प्रकारक कार्यक्रमसँ सामाजिक चेतना बढ़ेबाक लेल सहयोग होबाक बतौलैन ।
राष्ट्रिय मानव अधिकार आयोगके मधेश प्रदेश अधिकृत कुमारी शर्मा बालविवाह राष्ट्रिय समस्याके रूपमे रहल उल्लेख करैत एकर अन्त्यके लेल समुदाय आ सरोकारवाला निकायक संयुक्त प्रयास आवश्यक रहल बतौलैन ।
जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–१४ के वाड अध्यक्ष पूर्णप्रसाद यादव अपन वाडमे अखनधैर सातटा बालविवाह रोकल गेल जानकारी देलैन । आबैबला समयमे सेहो सचेतनामूलक कार्यक्रमकेँ निरन्तरता देबाक ओ प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।
मुस्लिम महिला कल्याण समाज नेपालक अध्यक्ष सीमा खान बालविवाह अन्त्यके लेल नेपाल सरकार राष्ट्रिय रणनीति अवलम्बन कएने बतौलैन । बालविवाहमुक्त समाज निर्माण करबाक लेल सरकार, स्थानीय तह, नागरिक समाज आ समुदाय बीच सहकार्य आवश्यक रहल हुनक कहब छलैन ।
कार्यक्रममे सड़क नाटकमार्फत बालविवाहके कारण किशोरीके शिक्षा, स्वास्थ्य आ भविष्यपर हुअबला नकारात्मक असरबारे जानकारी कराओल गेल छल । (रासस)















