काठमाण्डू, १८ कातिक : नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) के तेस्रो संस्करण खेलबाक लेल दक्षिण अफ्रिकाके चर्चित क्रिकेटर डेभिड मिलर नेपाल आएल छैथ ।


आइ भोर त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलपर ओ अवतरण केलैन अइछ । मिलरकेँ एनपिएल टोली कर्णाली याक्सके प्रतिनिधि विमानस्थलपर स्वागत कएने छल । मिलर पहिल बेर नेपाल आएल छैथ ।


कर्णाली याक्स जारी संस्करणके लेल विदेशी खेलाड़ीके रूपमे मिलरकेँ टोलीमे अनुबन्ध कएने अइछ । 


बायाँ हातक ब्याटर मिलर सीमित ओभरके क्रिकेटमे आक्रामक ब्याटिङ आ दबाबपूर्ण परिस्थितिमे खेलकेँ अपन पक्षमे क सकबाक क्षमताके लेल परिचित छैथ ।


३७ वर्षीय मिलर दक्षिण अफ्रिकाके लेल एक सओ ४० टी–२० अन्तर्राष्ट्रिय खेल खेलैत दू शतक आ नौ अर्धशतकसहित दू हजार ८ सओ ४ रन बनौने छैथ । 

तहिना, मिलर एक सओ ८० एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय खेलमे आठ शतक आ २४ अर्धशतकसहित चाइर हजार ७ सओ ६२ रन बनौने छैथ ।


समग्र टी–२० क्रिकेटमे हुनक अनुभव थप प्रभावशाली अइछ । मिलर विभिन्न घरेलु तथा फ्रेन्चाइज प्रतियोगिताके ५ सओ ८४ खेलमे चाइर शतक आ ५३ अर्धशतकसहित १२ हजार ४ सओ ३५ रन बनौने छैथ ।


इन्डियन प्रिमियर लिग (आइपिएल) मे पञ्जाब किङ्स, राजस्थान रोयल्स, गुजरात टाइटन्स आ दिल्ली क्यापिटल्सलगायत टोलीसँ खेल चुकल मिलर सन् २०२२ मे गुजरात टाइटन्स पहिल बेर उपाधि जीतैत समय टोलीके महत्वपूर्ण सदस्य छलैन ।


सन् २०१७ मे बङ्गलादेश विरुद्ध ३५ बलमे टी–२० अन्तर्राष्ट्रिय शतक प्रहार कएने मिलर विश्व क्रिकेटक अनुभवी मध्ये एक छैथ ।


तेसर संस्करणके एनपिएल कातिक ९ गतेसँ कीर्तिपुरस्थित त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट मैदानमे सञ्चालन भ रहल अइछ ।

(रासस)