काठमाण्डू, १८ कातिक : भारतीय विदेश सचिव विक्रम मिश्री दू दिनक औपचारिक भ्रमणके लेल आइ नेपाल आएल छैथ ।


परराष्ट्र मन्त्रालयके सचिव अमृत बहादुर राईके मैत्रीपूर्ण निमन्त्रणमे ओ नेपाल भ्रमणमे आएल छैथ ।  भ्रमणके क्रममे परराष्ट्र सचिव राईके विदेश सचिव मिश्रीसँ दू पक्षीय परामर्श करबाक कार्यक्रम रहल परराष्ट्र मन्त्रालय जनौलक अइछ ।


परामर्शमे दूनु पक्ष नेपाल–भारत सम्बन्धक सम्पूर्ण पक्षके समीक्षा आ आपसी हितक विषयमे विचार आदानप्रदान करत । अइसँ दूनु देश बीच लम्बा समयसँ कायम रहल घनिष्ठ आ मैत्रीपूर्ण सम्बन्धकेँ आओर सुदृढ़ बनाओत । 


भ्रमणके क्रममे विदेश सचिव मिश्रीके अर्थमन्त्री डा. स्वर्णीम वाग्ले, परराष्ट्रमन्त्री शिशिर खनाललगायत नेपालक उच्चस्तरीय विशिष्ट व्यक्तित्वसभसँ शिष्टाचार भेटवार्ता करबाक कार्यक्रम छैन ।


विदेश सचिव मिश्रीके भ्रमण सम्पन्न क काइल कातिक १९ गते नयाँदिल्ली प्रस्थान करबाक कार्यक्रम छैन ।(रासस)