किएभ, १७ कातिक : युक्रेनके जापोरिज्जिया क्षेत्रमे मानवीय सहायता वितरण भ रहल विद्यालयमे रुसी हवाई आक्रमण भेलासँ कम्तीमे २६ गोटेके मृत्यु भेल अइछ । युद्ध विराम समाप्त भेलाक किछ घण्टा बाद भेल आक्रमणसँ शान्तिके आशा कमजोर भेल युक्रेन जनौलक अइछ ।
रुसी नियन्त्रणमे रहल ओलेस्की सहरमे मानवीय सहायता पहुँचेबाक लेल बितल मङ्गलदिनसँ सुरु भेल युद्धविराम रैबदिन समाप्त भेल छल । सन् २०२२ मे रुस आक्रमण सुरु कएलाक बाद ई दू देश बीचक सबसँ लम्बा युद्ध विराम छल । युक्रेनी अधिकारीसभक अनुसार युद्ध विराम समाप्त भेलाक लगले जापोरिज्जियाके एकटा गाममे रुसी सेना बेर–बेर हवाई आक्रमण कएने छल । ओइ समय स्थानीय विद्यालयमे सहायता लेबाक लेल लोकसभ जमा भेल छल ।
मृतकमध्ये दू गोटे उद्धारकर्मी आ चाइर गोटे प्रहरी अधिकारी रहल कार्यवाहक क्षेत्रीय गभर्नर मिखाइलो सेमिकिन बतौलैन । राष्ट्रपति भोलोदिमर जेलेन्स्की सहायता लेबाक लेल गेल लोकसभपर पहिल आक्रमण भेलाक बाद आश्रयस्थलकेँ लक्षित क पुनः बमबारी कएल गेल बतौलैन ।
युद्ध विरामक समय रुस अपन सैन्य स्थिति बलगर बनौने युक्रेन आरोप लगौलक अइछ । युद्ध विरामके समय बढ़ेबाक युक्रेनक प्रस्ताव रुस अस्वीकार कएने छल ।
अइ बीच, अमेरिकी विशेष दूत स्टिभ विटकफके कहब अनुसार रुस–युक्रेन बीचक अमेरिकी नेतृत्वमे भ रहल वार्ता नोभेम्बर १० आ ११ मे आबु धाबीमे पुनः सुरु हएत । युद्ध अन्त्यके लेल अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प दबाब देलाक बादो ठोस उपलब्धी हासिल नै भ सकल अइछ ।
अइ साल रुस युक्रेनपर आक्रमण तीव्र करैत ब्यालिस्टिक क्षेप्यास्त्र आ तीव्र गतिके जेट इन्जिनयुक्त ड्रोन प्रयोग क रहल अइछ । अइ प्रकारक हतियार रोकबाक लेल कठिन होइत अइछ ।(रासस/एएफपी)















