काठमाण्डू, १७ कातिक : परराष्ट्र मन्त्रालयके सचिव अमृत बहादुर राइके मैत्रीपूर्ण निमन्त्रणमे भारतक विदेश सचिव विक्रम मिस्री इएह कातिक १८ आ १९ गते नेपालक औपचारिक भ्रमणमे आइब रहल छैथ ।
भ्रमणक क्रममे परराष्ट्र सचिव राई भारतक विदेश सचिव मिस्रीसँ दू पक्षीय परामर्श करबाक परराष्ट्र मन्त्रालय जनौलक अइछ । परामर्शमे दूनु पक्ष नेपाल–भारत सम्बन्धक सम्पूर्ण पक्षके समीक्षा करबाक सङे आपसी हितक विषयमे विचार आदानप्रदान करत ।
अइसँ दूनु देश बीच लम्बा समयसँ रहल घनिष्ठ आ मैत्रीपूर्ण सम्बन्धकेँ थप सुदृढ़ बनेबाक उद्देश्य राखल गेल अइछ । भ्रमणक क्रममे भारतक विदेश सचिव मिस्रीके नेपालक उच्चस्तरीय विशिष्ट व्यक्तित्वसभसँ शिष्टाचार भेटघाट सेहो करबाक कार्यक्रम रहल परराष्ट्र मन्त्रालय जनौलक अइछ ।
विदेश सचिव मिस्रीके कातिक १९ गते काठमाण्डूसँ नयाँ दिल्ली प्रस्थान करबाक कार्यक्रम छैन । (रासस)















