सप्तरी, १५ कातिक : दीपाली लगचिएलाक बाद जिलाक विभिन्न गामक कुम्हार समुदायक महिला दीप आ हुक्काबाती बेच क खर्च जमा करबाक प्रयास क रहल अइछ । कुम्हार समुदायक महिला दीपावली अर्थात् लक्ष्मी पूजामे बारै लेल राजविराज क्षेत्रक घर–घर जा क अपन उत्पादित दीप आ हुक्काबाती बिक्री करबाक काजमे व्यस्त अइछ ।


उक्त समुदायक विपन्न महिला दीपावलीके खर्च जमा करबाक लेल घर–घर जा क हुक्काबाती बिक्री क रहल राजविराज नगरपालिका–११ के कविता यादव बतौलैन । दीपावलीके किछ समय पहिनेसँ हुक्काबाती आ दीप बनेबाक आ ओइसँ प्राप्त रकमसँ दीपावलीके खर्च जमा करबाक पहिनेसँ अभ्यास हाेइत आएल ओ बतौलैन ।


मजदुरी क परिवार पालैत एलासँ उक्त समुदायक महिला पाबैन तिहारमे खर्च जमा करबाक लेल हुक्काबातीकेँ आयआर्जनक प्रमुख माध्यम बनौने अइछ । दू हजार टकाके सामानसँ हुक्काबाती बना क बिक्री कएलापर १५ हजार टकाधैर आम्दानी होबाक हुनक कहब छैन ।


कुम्हार समुदाय दीप आ हुक्काबाती बना क घर–घरमे पहुँचौलाक बाद सहर बजारमे रहैबला उपभोक्ताकेँ हुक्काबातीके लेल आवश्यक सामाग्री जुटा क तैयार करबाक समस्या आ बाध्यता हटल अइछ । हुक्काबातीके लेल सन्ठी, खर आ सनपाट घरमे आइन लम्बा समय खर्च क बनाएल जाइत अइछ ।


विगतमे घर–घरमे बनाएल जाएबला हुक्काबाती अखन विशेष क सहर बजार क्षेत्रमे खरिद क प्रयोग हुअ लागल राजविराज नगरपालिका–७ के उर्मिला देव बतौलैन । ओ कहलैन, “पहिने बजारमे बनाएल गेल हुक्काबाती खरिदबाक व्यवस्था नै छल । सन्ठी, खर आ सनपाट किन क आइन घरमे बनेबाक चलन छल । मुदा, अखन सहरी क्षेत्रमे हुक्काबाती बनेबाक चलन लोप भ रहल छै । अखन खरिद क प्रयोग करबाक परम्परा बढ़ल छै ।”


सप्तरीके तिलाठी कोइलाडी गाउँपालिका तोपाके रूकमिणी यादव बितल एक हप्तासँ हुक्काबाती बनेबाक लेल व्यस्त छैथ । घरक काज सम्पन्न क दैनिक रुपसँ बनौने हुक्काबाती बेच क दीपावलीमे १५ सँ २० हजार टकाधैर ओ आम्दानी करैत आएल छैथ । ओ कहलैन, “लक्ष्मीपूजा लगचिएलाक बाद हुक्काबाती बिक्री होबाक क्रम तीव्र होइत छै । दिनके ३ सओसँ ५सओ हुक्काबाती बिक्री भ रहल छै । १० टकासँ ल क २० टका प्रतिहुक्काबाती बेच रहल छी ।” प्रत्येक साल एक महिना हुक्काबाती बनेबाक काज करैत आएल ओ सुनौलैन ।


लक्ष्मी पूजाके दिन पूजा करएसँ पहिने घरक उपर, तुल्सी मठ, कुलदेवताके घर तथा मन्दिरमे मधेशमे हुक्काबाती राखबाक चलन अइछ । लक्ष्मीपूजा सम्पन्न भेलाक लगले प्रत्येक घरपरिवारमे हुक्काबाती अनिवार्य खेलबाक परम्परा अइछ । 


तहिना, सप्तरीके तिलाठी कोइलाडी गाउँपालिकाके कविता पण्डित अखन माइटक दीप बनेबाक काजमे व्यस्त छैथ । घरक काज सम्पन्न क दीप बनेबाक आ ओइके बाद घर–घर जा क दीप बेचैत आएल ओ बतौलैन । तराई मधेशमे माइटक बरतनके दीपावलीसँ ल क छैठधैर नीक व्यापार होइत अइछ । 


प्रत्येक दिन दू हजार टकाके सङ्ख्यामे दीप बना क ओ बजार जाइत छैथ । प्रति गोटा दीप दू टकामे बेचैत छैथ । अइ समयमे २० सँ ४० हजारधैर ओ आम्दानी करैत आएल छैथ ।रासस