वासिङ्टन, १६ कातिक : अमेरिकी मध्यावधि चुनावक पूर्वसन्ध्यामे डेमोक्रेटिक उम्मेदवार रिपब्लिकनके बर्चस्व रहल पाँच राज्यमे सिनेटक प्रतिस्पर्धामे अग्रता लेलैन अइछ । न्युयोर्क टाइम्स आ सिएना विश्वविद्यालयके सर्वेक्षणमे आयोवामे सेहो कड़ा प्रतिस्पर्धा देखल गेल अइछ ।


टेक्सासमे जेम्स तालारिको रिपब्लिकन केन प्याक्सटनकेँ ५०–४३ प्रतिशत, कन्सासमे क्रिस ह्यामिल्टन रोजर मार्सलकेँ ४९–४४ प्रतिशत आ मेनमा ग्राहम प्लाटनर सुसान कोलिन्सकेँ ५१–४५ प्रतिशतसँ पाछु कएने छैथ । ओहायोमे सेरोड ब्राउन आ अलास्कामे मेरी पेल्टोला सेहो अपन रिपब्लिकन प्रतिस्पर्धीसँ आगु छैथ । आयोवामे डेमोक्रेट जोश टुरेक ४८ आ रिपब्लिकन एस्ले हिन्सन ४७ प्रतिशत समर्थन प्राप्त केलैन अइछ । मिशिगनमे डेमोक्रेटिक उम्मेदवार अब्दुल एल–सायेद ५३ प्रतिशतसहित आगु छैथ ।


राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्पप्रतिके असन्तुष्टि आ बढ़ैत जीवनयापन खर्च चुनावक प्रमुख मुद्दा अइछ । सर्वेक्षण कएल गेल सात राज्यमे ट्रम्पके कार्यसम्पादनकेँ ३८ प्रतिशत मात्रे समर्थन कएने अइछ । जीवनयापन खर्चके मुद्दामे डेमोक्रेटसभ रिपब्लिकनपर नौ प्रतिशत अङ्कके अग्रता बनौने अइछ ।


सिनेटमे बहुमत हासिल करबाक लेल डेमोक्रेटसभकेँ रिपब्लिकनके कम्तीमे चाइर सिटपर जीत हासिल करए पड़त । नोभेम्बर ३ मे हुअबला चुनावमे प्रतिनिधि सभाके सब ४ सओ ३५ आ सिनेटके ३५ सिटक लेल मतदान हएत । सर्वेक्षण डेमोक्रेटसभकेँ सिनेटके नियन्त्रण प्राप्त करबाक सम्भावना देखौलाक बादो अन्तिम नतिजा मतदाताके निर्णयपर निर्भर रहत । (रासस) एएनआई